विराटनगर, दिसम्बर १०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
(फोटो फीचर)
काल्हि ९ दिसम्बर यानि २३ अगहन बुध दिन विराटनगर केर महावीर चौक पर काव्यात्मक नागरिक खबडदारी सभा सम्पन्न भेल। मैथिली तथा नेपाली भाषाक धुरन्धर कवि एवं स्रष्टा धीरेन्द्र प्रेमर्षि केर प्रमुख आतिथ्य व् प्रस्तुति सँ एहि सभाक गरिमा अत्यन्त उत्कृष्ट छ्ल।
पूर्वांचल केर कवि शिरोमणि दयानंद दिग्पाल यदुवंशी तथा मो. अलाउद्दीन मियां बेचैन सहित वसुंधरा झा, राधा मंडल, प्रीती झा, शिव नारायण पण्डित सिंगल, अजित झा, जफर अहमद जमाली, सलीम अंसारी, अजित झा, वीरेंद्र झा, विद्यानंद बेदर्दी, दीपेंद्र यादव मैथिल, मैथिल मैक्स मुकेश, राजन कार्की व प्रवीण चौधरी केर काव्य प्रस्तुति सभा मे कैल गेल।
वर्तमान विद्यमान् मधेस आन्दोलन आर सरकार केर चुप्पी पर चुटकी लैत अनेको रास कविता वाचन कैल गेल। सैकड़ों वर्ष सँ नेपाल मे मधेसी केँ उत्पीडण देल गेल अछि, अधिकारविहीन बनाकय शोषण कैल गेल अछि। समान नागरिक अधिकार लेल संघर्षक रूप मे कैल जा रहल आन्दोलन प्रति समर्थन दैत एहि सभा द्वारा नेपाल सरकार केँ खबरदार कैल गेल। मधेस आन्दोलन केर संबोधन शीघ्र करैत नेपाल मे शान्ति ओ विकासक वातावरण बनेबाक अनुरोध सेहो काव्यात्मक शैली मे कैल गेल छल।
विशुद्ध आम जनमानसक सहभागिता में सैकड़ों श्रोता एहि सभाक लाभ लेलनि। मधेसक आंदोलन केँ शीघ्र संबोधन करबाक लेल ई आयोजन स्वतंत्र मधेसी समाज, राष्ट्रीय मुस्लिम संघर्ष गठबन्धन तथा मैथिली सेवा समिति द्वारा कैल गेल।
कार्यक्रमक संयोजन प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा कैल गेल छल। मंच संचालन सूर्यदेव यादव केर विशिष्ट शैली मे उपस्थित जनसमुदाय केँ अत्यन्त प्रभावित करैत रहल छल। सभाध्यक्षता स्वतंत्र मधेसी समाजक अध्यक्ष फूल कुमार देव केलनि। तहिना मंच पर विशिष्ट उपस्थिति मैथिली सेवा समितिक अध्यक्ष डा. एस. एन. झा केर रहल। मधेस आन्दोलन केर नेतृत्व कएनिहार नेतृत्वकर्ता व संघीय समाजवादी फोरम नेपाल केर अध्यक्ष राजकुमार यादव केर उपस्थिति किछु समय लेल रहल।
राष्ट्रीय मुस्लिम संघर्ष गठबंधन केर क्षेत्रीय नेता सलीम अंसारी द्वारा मिडिया मे आयल समाचार जे गठबंधन आन्दोलन करयवला मोर्चा सँ अलग भऽ गेल अछि ताहि पर आम जनमानस केँ संबोधन करैत कहलैन जे किछु मतभेद भेला सँ एहेन भेल होयत, लेकिन एकरा दूर करैत शीघ्रे एक संग आन्दोलन मे रहब। ओना ओ विराटनगर मे आन्दोलनक नेतृत्व करैत रहबाक वादा सेहो केलैन। अपन फिल्म लाल मधेसक क्रान्तिकारी गीत सहित फिल्मी अभिनेताक अपन रूप सँ उपस्थित श्रोता सबकेँ खूब जोश मे आनि देला जेकर सराहना सब कियो कय रहल छल।
सब कविक प्रस्तुति एक सँ एक रहल। प्रमुख अतिथि व कवि धीरेन्द्र प्रेमर्षिक हास्य कविता ‘हैन्डसम सर…सर..सर ब्युटी मिस’ तऽ सबहक जुबानी पर चढि गेल। कार्यक्रम मे मैथिलीक विशिष्ट गायक विरेन्द्र झा द्वारा ‘मधेस-मधेस-मधेस हम मधेसी छी’ गीत गाबि श्रोता सबकेँ नाचय लेल मजबूर कय देल गेल छल। शान्तिपूर्ण माहौल मे संपन्न एहि कार्यक्रम सँ नागरिक खबरदारी सभाक अपन गरिमा आरो दूर धरि बढल ई मानल जा सकैत अछि।






3 Comments
बहुतनिक काज करहल छि भाइ जि। मिथिला अा मैथिलीक विकासक लेल एहने-एहने करान्तिकारि भरल कार्यक्रम संचालन करबाक चाहिँ। जै कार्यक्रम देखिक सम्पूर्ण मधेसी मैथिल एक भ जायज मागक लेल अांदाेलनमे सहभागी हेतैन। तब मात्रे अपना सबहक अधिकार भेटत। येतेक निक काजक लेल धन्यबाद। सम्पुर्ण मधेसक भुमिक गाम गाममे जाक एहने कार्यक्रम संचालन करु पर्चारपरसार करु जैस मधेसी सबहक जाेस जांगर बढतैन अा अपन अधिकारक लेल लडतैन । मैथलि मिथिला जिन्दावाद ।।।
बहुत निक काज भेल बधाई अछि सब के
जय मैथिल
जय मिथिला
Badhai ai6. yahan yahan kaam ka madhesh ke Janta ke Jagruk Banabae parte . se e karykam bahut sundar vel. fer sai Aayojak Samuh ke Dhanybad dai6i.