मुम्बई, महाराष्ट्र। दिसम्बर ३, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
दहेज मुक्त मिथिला जेकर पोपुलर उपनाम डीएमएम थीक ताहि अभियान केर अखिल भारतीय संरक्षक पंडित धर्मानन्द झा अपन प्रथम सुपुत्र यतेन्द्र केर पूर्ण दहेज मुक्त विवाह स्नेहा संग कएलनि अछि।
काल्हि २ दिसम्बर यतेन्द्र तथा स्नेहाक वैवाहिक गठबंधन संपन्न भेल जाहि अवसर वर एवं कन्या पक्षक परिवारक लोक केर अतिरिक्त संपूर्ण महाराष्ट्र ओ भारतक विभिन्न ठाम सँ दहेज मुक्त मिथिलाक सदस्य – अभियानी लोकनिक नीक जमघट भेल छल।
विदित हो जे पैछला वर्ष सेहो संरक्षक पंडित धर्मानन्द झा अपन सुपुत्रीक विवाह हैदराबाद मे दहेज मुक्त मिथिलाक अभियान अन्तर्गत समर्पणक संग संपन्न कएने छलाह। ताहू समय संपूर्ण भारत सँ कन्या एवं जमाय केँ आशीर्वाद देबाक लेल अतिथि लोकनिक नीक जमघट भेल छल।
पं. झा दहेज मुक्त मिथिलाक अभियान लेल समस्त भारतक विभिन्न ठाम मे छोट पैघ हर तरहक आयोजन करैत लोक सब सँ अपील करैत समाज सँ दहेजक दानव केँ भगेबाक लेल संकल्प लियबैत छथि।
दहेज मुक्त मिथिलाक आह्वान यैह छैक जे माँगरूपी दहेज केर प्रतिकार हो – स्वैच्छिक लेनदेन केँ उपहार आर आशीर्वाद मानल जाय। संगहि एहेन विवाह जाहि मे माँगिकय दहेज लेल गेल हो ताहि मे सहभागी बनब सेहो पापाचार होएछ, ताहि हेतु एहि मे सहभागिता नहि दी।
काल्हि संपन्न विवाहोत्सव मे रवि कुमार मंडल, पंकज झा, सगुन मैथिल, राजेश राय, प्रकाश कमती, राम नरेश शर्मा, आदि समस्त अभियानी उपस्थित छलाह आर सब कियो शुभकामना दैत नव दंपत्ति केँ आशीर्वाद सेहो देलनि।
मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सेहो शुभकामनाक संग विवाहित जीवन पूर्ण आनन्दमय हो से आशीर्वाद एहि समादक संग पठा रहल अछि। संपादक प्रवीण नारायण चौधरी सेहो आमंत्रित छलाह, लेकिन व्यस्तताक कारण सहभागिता नहि देबाक लेल क्षमाप्रार्थी छथि। संरक्षक पंडित झा व राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा सहित भारत ओ नेपाल केर समस्त समर्पित डीएमएम सदस्य केँ सेहो बधाई।
हरिः हरः!!

1 Comment
hardik subhkamna