विन्देश्वर ठाकुर, दोहा, कतार। अक्टुबर १५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
सिनुरजोडा -४ धनुषा, कार्तिक २८ गते ‘रविन्द्र उदासी’ केर रिपोर्टः
प्रवासी मिथिला समाज – कतार द्वारा पुन: मधेस आन्दोलन केर शहिद परिवारकेँ रू ५१००० सहयोग कैल गेल अछि।
मधेश आन्दोलनक क्रममे सहादत प्राप्त केनिहार सिनुरजोडा -४ धनुषा, टोल अरेरबा निवासी सहिद दिलीप यादवक पीडित परिवार लेल कार्तिक २८ गते (नोभेम्बर १४ तारिक २०१५ शनि दिन) प्रवासी मिथिला समाज कल्याण दोहा/कतारद्वारा ५१,००० ने.रु.सहयोग प्रदान कएल गेल ।
संस्थाक प्रतिनिधि रवीन्द्र उदासी जी, छुट्टीमे नेपाल गेलाक करणे सहिद परिवारकेर घरहि मे जाय ओतुका गाम-समाजक लोक एवं नागरिक समाजकेर उपस्थिति मे शहीद दिलीप यादव केर पिता रामनरेश यादव जी केँ उपरोक्त राहत प्रदान केलनि अछि ।
ज्ञातव्य अछि जे कतारमे रहल मैथिल/मधेशी सबसँ ५/१० रियाल स्वेच्छिक चन्दा संकलन करैत एहि संस्था द्वारा विभिन्न शहीद-पीडित परिवारकेँ आर्थिक सहयोग करैत आयल अछि । एहि सँ पहिनहुं सप्तरी भारदह केर शहीद राजीव राउत आर गौरकेर शहीद राजकिशोर ठाकुर केर पीडित परिवार लेल क्रमश: १,११,१११ आ ६६,००० ने.रु.पठाओल गेल छल। तहिना पछिला सप्ताह मात्र महोत्तरी जिल्लाक बखरी निवासी सहिद ‘अमीत कापड’ परिवारकेँ ने. रु ५१००० राहत प्रदान केने छल ।
प्रवासमे रहिति अपन काजक संग-संग सामाजिक-सामुदायिक-जिम्मेवारी निर्वाह करबाक अत्यन्त प्रेरणास्पद कार्य एहि संस्था प्रति समर्पित युवा सब मे – मनिष राय, रवीन्द्र उदासी, बलराम यादव, अब्दुल रजाक, बेचन महतो, राजेश साह, असरफ राइन, विन्देश्वर ठाकुर, प्रणव झा, विजय यादव, राम उदगार यादव सहित अनेकानेक आरो युवा सब आगाँ रहल छथि ।
उपरोक्त योगदान प्रदान समारोह मे समाजक अगुआ सज्जन बुजुर्ग लोकनिक संग पीडित परिवार द्वारा सहयोगी संस्थाक सराहना आर आशीर्वचन देलनि। वास्तव मे एहेन भावनात्मक सहयोग कोनो निजी संस्था द्वारा अपन समाज व समुदाय लेल करब कम पैघ बात नहि थीक, ई समस्त मिथिलापुत्र लोकनि महान् कार्य कय रहला अछि, एकटा नव इतिहास बना रहला अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी अपन भावना रखैत आरो सहयोगी संस्था सब सँ अपना-अपना ढंग सँ सहयोग करैत कोनो उजड़ल परिवार केँ समेटय लेल अपील केलनि अछि।

1 Comment
प्रवासमे रहितो हमसब सदैव अपन माटि-पानि, अपन अपनत्व आ मिथिला/मैथिली लेल सोचैत रहैछी । संगे जे सम्भव होइय से सहयोगो करबाक चेष्टा सेहो करैत छी । एहि अनुरुप जनमल संस्था छी-‘प्रवासी मिथिला समाज कल्याण दोहा/कतार।’ मधेशमे सत्ता पक्षद्वारा भ’ रहल दमनसँ बहुतो मधेशी जनता सहादत प्राप्त केलनि । अपन हक-अधिकार लेल आवाज उठौनिहार अहि वीर सपूतसबके सरकारद्वारा गोली मारलासँ सहिद परिवारके जिनगीभरि लेल दुखे-देख भ’ गेलै । हमसब हुनकासबके हुनक पुत्र/पति वा पिता त नहि लौटा सकैत छी । यधपी यथासम्भव आर्थिक सहयोग क’ छनिके सही मुदा किछु राहत देबाक प्रयास करैत छी । एहि पुनित काजमे प्रत्यक्ष/अप्रत्यक्ष रुपे सहयोग आ समर्थन केनिहार सम्पूर्ण मैथिल/मधेशीप्रति हार्दिक कृतज्ञता व्यक्त करैत अछि -‘प्रमिस दोहा/कतार परिवार’
संगे साहित्यिक एवं समाजिक काज लेल हमरासबके सदिखन उत्साहबर्धन केनिहार एहि मैथिली जिन्दाबादक सम्पादक श्री प्रवीन नारायण चैधरी सर जी के हृदयसँ धन्यवाद देब चाहबनि । आभारी छी एहि पत्रिकाके जे सदैव मिथिला/मैथिलीप्रतिके समर्पित न्युजसब आकर्षक आ प्रेरणादायी ढंगसँ छपैत अछि ।
अन्तमे, अपनेसबहक प्रेरणा,सल्लाह-सुझाब सबदिन भेटैत रहए सएह निवेदन संग एकबेर गेर सँ सम्पादक एवं पत्रिका दुनूके साधुवाद !!