विराटनगर, अक्टुबर ७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
विगत किछु वर्ष सँ मैथिलानी वसुन्धरा झा केर नेतृत्व मे आयोजन कैल जा रहल मैथिल-मधेशी-थारू महिलाक विशेष पूजा-अर्चनाक परिचायक ‘जितिया पर्व समारोह’ धीरे-धीरे विराटनगर जेकरा मोरंग आ पूर्वी नेपालक राजधानी मानल जाएत छैक ताहि ठाम पारंपरिक मिथिला समारोह केर स्थापित पहिचान भेट गेल अछि – ई बात कहलनि जितिया पर्व समारोह २०७२ केर प्रमुख अतिथि वरिष्ठ समाजसेवी एवं बुद्धिजीवी ई. रमाकान्त झा।
निश्चित रूप सँ वसुन्धरा झा एकटा सृजनशील मैथिलानीक रूप मे स्वयं मे एक संस्था रहबाक कला केँ बेर-बेर प्रमाणित करैत रहली अछि। एहि बेरुक समारोह केर आयोजन अत्यन्त बिपरीत आर प्रतिकूल वातावरण मे करबाक चुनौती केँ सामना करैत – मिथिला-मैथिली-मधेशक सांस्कृतिक पहिचान नहि मेटाय देबाक भार उठेली। पूर्ण रूप सँ असगर नेतृत्वक बागडोर अपना हाथ मे लैत घर-गृहस्थी आ धिया-पुताक पोषण-संभारण करैत ओ जाहि तरहें ‘मुण्डे-मुण्डे-मतिर्भिन्ना’ आ ‘खण्डी बुद्धि’ लेल प्रसिद्ध मैथिल परिवारक महिला, पुरुष, समाजसेवी आदि केँ संङोरैत काज करैत छथि, ई हुनकर कर्मठता आ प्रतिबद्धता केँ सेहो प्रमाणित करैत अछि। एहि बेरका आयोजन लेल दुनू प्राणी दिन-राति खटैत अन्ततोगत्वा एकटा भव्य समारोह केर आयोजन पूर्व परिचित स्थान महेन्द्र मोरंग कैम्पस केर प्रांगण मे, दसों हजार मैथिल केर उपस्थिति मे संपन्न केलनि। विराटनगर मैथिल समाज लेल ई एकटा विशेष गर्व केर परिचायक कार्यक्रम भेल, यैह चर्चा सब तैर कैल जा रहल अछि।
पैछला शनि दिन यानि ३ अक्टुबर संपन्न एहि भव्य समारोह केर उद्घाटनग दीप प्रज्ज्वल करैत प्रमुख अतिथि ई. रमाकान्त झा द्वारा कैल गेल छल। तहिना एहि विशिष्ट समारोह मे विशिष्ट अतिथिक रूप मे सहायक प्रमुख जिला अधिकारी प्रदीप कँडेल केर संग प्रसिद्ध उद्योगपति-समाजसेवी ताराचन्द खेतान एवं मानव अधिकारकर्मी संजू साह केर उपस्थिति छल। आभा अनुपमा समान महिला अधिकारकर्मी, प्रेम सोनम समान कलाप्रेमीक संग आरो बहुत रास अतिथि लोकनिक संग ई आयोजन पूर्ववत् भव्यताक संग आयोजित कैल गेल छल।
सुप्रसिद्ध गायक विरेन्द्र झा केर मधुर आवाज मे गोसाउनि गीत ‘जय जय भैरवि’ सँ सांस्कृतिक कार्यक्रम केर शुरुआत कैल गेल छल। मैथिली कला व मिथिलाक लोक संस्कृति केर आजन्म सेवा कएनिहार सुप्रसिद्ध नृत्य निर्देशक स्व. चतुर्भुज आशावादी द्वारा स्थापित लोकप्रिय संस्था ‘भानु कला केन्द्र’ केर कलाकार सब द्वारा झिझिया, नट-नटिन आदि लोकनृत्य प्रस्तुत कैल गेल छल। मैथिली लोकगीत ‘एहि ठिना टिकुली हेरा गेलय दैया गै’ पर सेहो एकटा अत्यन्त रोमांचक-मनोरंजक नृत्य केर प्रस्तुति भेल जेकर सराहना हजारों दर्शक जोरदार थोपड़ी आ युवा-युवती द्वारा मैदान मे मंचकेँ संग दैत नृत्य करैत कैल गेल छल।
देव समाजक कला-संस्कृति प्रतिष्ठान – विराटनगर केर सेहो मंचीय प्रस्तुति मे सहभागिता छल। एहि प्रतिष्ठानक कलाकार द्वारा विभिन्न मैथिली गीत पर नृत्य केर प्रस्तुति समावेश कैल गेल छल कार्यक्रम मे। तहिना मैथिली संचार केर सुपरिचित नाम श्रीमती राधा मंडल केर अध्यक्षता मे संचालित मैथिली सांस्कृतिक मंच – विराटनगर केर कलाकार लोकनि द्वारा हास्य-प्रहसन केर प्रस्तुति कैल गेल छल। संपूर्ण कार्यक्रम केर संचालन सेहो स्वयं राधा मंडल आ संङोर नाटकक लेखक तथा मिनाप-जनकपुर कलाकार प्रकाश प्रेमी द्वारा भेल।
एहि गरिमामय कार्यक्रम मे मैथिली पत्रकारिता सँ जुड़ल अनेको पत्रकार स्रष्टा लोकनि केँ सम्मानित सेहो कैल गेल छल। सम्मानित पत्रकार समाज मे मकालू टेलिविजन सँ नविन कर्ण, हिन्दुस्तान केर जोगबनी प्रतिनिधि वरुण मिश्र, उज्यालो दैनिक केर जितेन्द्र ठाकुर, कान्तिपुर राष्ट्रीय दैनिक केर अबधेश झा, नागरिक – पूर्वेली केर संपादक अजित तिवारी आर नागरिक एफ एम केर निर्देशक अरविन्द मेहता शामिल छलाह। तहिना मैथिल महिला समाज केर उत्थान मे निरंतर योगदान देनिहारि मैथिलानी वंदना चौधरी, रिंकी झा, माफी झा, संझा यादव, सरिता झा, राधा मंडल तथा मीना झा केँ सम्मानित कैल गेल।
आयोजक समिति केर सक्रिय सदस्या लोकनि द्वारा प्रत्यक्ष सांस्कृतिक कार्यक्रम केर प्रस्तुति सेहो दर्शक लोकनि द्वारा खूब प्रशंसित भेल। स्वागत गीत रिंकी झा तथा रंजना झा द्वारा प्रस्तुत कैल गेल। मैथिली लोकगीत संग प्रीति झा मंच पर प्रस्तुति देलीह। ममता रानी आ दयारानी आमात्य द्वारा मैथिल पिछड़ावर्ग महिला समाज केर सांस्कृतिक झाँकी सहित नगर परिक्रमा करैत कार्यक्रम मे सहभागिता एहि बेरुक कार्यक्रमक एकटा खास विलक्षण प्रस्तुतिक रूप मे गानल गेल।
सांस्कृतिक कार्यक्रमक संग महिला मे घरैया लूरि केँ प्रोत्साहित करबाक लेल पेन्टिंग सँ लैत सिक्की कला आदिक संवर्धन-संरक्षण हेतु सेहो निरन्तर प्रयास होइत रहल अछि। एहि बेर सकुन्तला साह केर नेतृत्व मे सिक्की सँ बनल समान मौनी, पौती, दीप-स्टैन्ड, आदि केर प्रदर्शनी कैल गेल छल। श्रीमती साह द्वारा एहि कला केँ प्रशिक्षण नव पीढी मे करबाक सेहो वचनबद्धता प्रकट कैल गेल छल।
वृहत् मधेसी नागरिक समाज केर केन्द्रीय अध्यक्ष सूर्यनाथ सिंह द्वारा कार्यक्रमक संयोजन केर भरपूर प्रशंसा कैल गेल आ मधेसी-उत्पीडित-पिछड़ल समाज केरर उत्थान मे एहि तरहक कार्यक्रम बड पैघ योगदान देत ताहि तरहक विश्वास सेहो प्रकट कैल गेल छल। संपूर्ण कार्यक्रम मे संगीत संयोजन राजेश राय केर टोली द्वारा तथा सांस्कृतिक मंचक संयोजन राधा मंडल द्वारा कैल गेल छल।
कार्यक्रमक संयोजिकाक संग अध्यक्षता स्वयं वसुन्धरा झा द्वारा कैल गेल। मैथिली जिन्दाबाद सँ बात करैत ओ समस्त सहयोगी समाज प्रति धन्यवाद ज्ञापन करैत अत्यन्त कम समय मे अत्यधिक सहयोग तथा प्रोत्साहन लेल श्रीमती राजलक्ष्मी गोल्छा, ताराचन्द खेतान, दीनबन्धु गोयल, पवन शारडा, वैष्णवी पुस्तक भंडार केर आनन्द पाण्डे, पूनम देव तथा ई. प्रेमचन्द्र झा केँ विशेष धन्यवाद ज्ञापन केलीह।
आगामी समय मे सेहो एहि कार्यक्रमक महत्व एतबे गणनीय होएबाक पूर्ण आशा संपूर्ण विराटनगर समाज द्वारा राखल जा रहल अछि।