रश्मि रमण केर रमणगर विराटनगर-स्मृतिगान: सुनु सजना सुनु यौ प्रियवर!!

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन २०१५, विराटनगर पर रचित खास स्मृति गान

– रश्मि रमण, शोधार्थी एवं कवियित्री, बीएचयू, काशी!

IMG_1805सुनु सजना सुनु यौ प्रियवर
गेल रही जे हम विराटनगर
पता चलल बड्ड नव-नव खबर!

सहरसा में भेल एक ऐतिहासिक कार्य
जन जन मे पसरल अछि हर्षोल्लास!

रेलवे स्टेशन पर होमय लागल मैथिलि मे उद्घोषण
सुनु के केलैन्ह सहरसाक नाम रोशन?

एही कार्य के पूरा केलैन्ह मिली तीन सज्जन
सुभाष चंद्र झा, कुमार आशीष आ कन्हैयाजी प्रियजन!

प्रवीण नारायण चौधरी केलैन्ह अंतर्राष्ट्रीय कवी सम्मलेन
जतय भेल नव पुरान सब कवीक मिलन!

अंतरराष्ट्रीय कवी सम्मेलन रचलक एक इतिहास
उम्मीद अछि निरंतर चलत इ सटीक प्रयास!

मिथिला डायरेक्टरीक भेल प्रारम्भ
मैथिलि बेबसाइटक कयल गेल शुभारम्भ!

लाइव चलैत रहैक मैथिलि कवी सम्मलेन
इंटेरनेटक माध्यम स बहुतो लोक सुनेलैन्ह अपन क्रिएशन!

गंगेश गुंजनक अध्यक्षता मे दिल्ली में भेल एक प्रयोजन
मैथिलि साहित्य सभाक कयल गेल आयोजन!

अमरनाथ झा, संजीव सिन्हा आ विमलजीक इ रहैन्ह प्रयास
मैथिलि प्रगतिक पथ पर चलैत रहत हमर यैह अछि आस!!