विराटनगर, अक्टुबर ६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
विपत्ति ओना तऽ केकरो सिर कखनहु अबैत छैक, मुदा किछु उदाहरण एहेन होइत छैक जेकरा चर्चा करैत केकरो आँखि नोरा जाइत छैक। एकटा एहने समाद आइ भोरे-भोर ठाढी निवासी युवा भाइ राकेश झा पटना सँ करौलनि। ओ कुमार मिहिर झा द्वारा देल गेल सूचनाक आधार पर एकटा अपील केलनि तथा दहेज मुक्त मिथिला अभियानक संचालक केर तौर पर ध्यानाकर्षण प्रवीण नारायण चौधरी, पंकज झा, पंडित धर्मानन्द झा केँ सामूहिक रूप सँ करबैत निदान तकबाक लेल अनुरोध पठेलनि।
बात छैक जे गाम (पत्रालय) बेला (प्रखंड बाबुबरही – जिला मधुबनी) केर निवासी सर्वनारायण झा केर एकलौता पुत्र चार्टर्ड एकाउन्टेन्ट (दोसर वर्षक छात्र) अध्ययन करिते २४ वर्षक अवस्था मे कोनो दुर्घटनावश गामहि केर सार्वजनिक हितक कार्य करैत अकाल मृत्युक चपेट मे चलि गेला। परिवारक एकमात्र उम्मीद जखन टूटैत छैक तऽ विपत्तिक परिमाण आ परिणाम दुनू बातक अनुमान सहजहि लगायल जा सकैत छैक। ई दुर्घटना आइ सँ २ वर्ष पहिने भेलैक। पुत्रक निधन उपरान्त परिवार टूटि गेलैक। लेकिन विवाह योग्य हुनक पुत्रीक विवाह कोना होयत एहि लेल कोनो बाट-घाट कम सँ कम ओहि परिवार केँ अपना बुत्ते नहि सुझाइत देखि एकटा भाइ व हितैषीक रूप मे मिहिर द्वारा सार्वजनिक सहयोगक अपील कैल गेलैक अछि।
निजी अपील मे गामक गणमान्य आ एहि बेरुक चुनाव मे नेता चुनेबाक पाँति मे ठाढ विभिन्न नेतृत्वकर्ता केर ध्यान प्रथमत: आकृष्ट करैत कुमार मिहिर झा एहि पीडित परिवार लेल निदान तकबाक निवेदन केने छथि। सहसा हुनकर अपील पर भावनात्मक लहर सँ प्रेरित राकेश झा जीएस गुरु ‘दहेज मुक्त मिथिला’ केँ संस्थागत भार सौंपबाक आत्मनिर्णय सार्वजनिक करैत छथि। ताहि अनुरूपे संस्था द्वारा ई अपील मैथिली जिन्दाबाद केर मंच सँ आम मैथिल जनमानस धरि पहुँचेबाक लेल ई अपील जारी कैल जा रहल अछि।
सर्वनारायण जी केर सुपुत्रीक परिचय निम्न अछि:
शिक्षा: बी-काम (अनर्स)
विश्वविद्यालय: ल. ना. मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा
गोत्र: वत्स
उम्र: २१ वर्ष
गाम आ पत्रा: बेला, प्रखंड: बाबुबरही, जिला: मधुबनी
वर्ण: गौर
फोटो: संलग्न
दहेज मुक्त मिथिला आम मैथिलजन मे अपील करैत अछि जे एहि प्रस्ताव केँ आम समाजक प्रस्ताव मानि इच्छूक सहयोगी वर पक्ष शीघ्र सम्पर्क करी। सम्पर्क लेल:
श्री पंकज झा, राष्ट्रीय अध्यक्ष, दहेज मुक्त मिथिला, मुम्बई, महाराष्ट्र।
फोन: ९८२१४०५१६४/९३२०४०५१६४
आशा करैत छी जे एहि अपील पर अपने लोकनिक ध्यान सहानुभूतिपूर्वक पहुँचत आ ई यथाशीघ्र परिणामदायक होयत।
निवेदक:
प्रवीण नारायण चौधरी
अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक, दहेज मुक्त मिथिला
विराटनगर, नेपाल।
फोन: ००९७७-९८५२०२२९८१.


1 Comment
aah bahut dukhak gap bhagwati nike karthinh aa aanha sabhak karya srahniya aichhi hinak bibah kato nik ghar me huye e humar shubhkamna aicchi….