विन्देश्वर ठाकुर, दोहा/कतार। सितम्बर ६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
कतारसँ फेर भेल एकटा पुनित काज । सहिद राजकिशोर ठाकुर केर पीडित परिवार लेल पठाओल गेल – ६६१११ नेपाली रुपैया । ज्ञातव्य अछि जे मटिहा ६ निवासी सहिद ठाकुर भाद्र ८ गते मधेश आन्दोलनक क्रम मे पुलिसक गोली लागि गौर मे शहीद भेल छल ।
“प्रवासी मिथिला समाज कल्याण दोहा कतार शहीदक पूर्ण विवरण खोजबाक क्रममे रौटहट जिल्लाक सोनेलाल पंडित संग भेटल । ओ अपना आपकेँ शहीद ठाकुरक पडोसी बतौलक आ अपन पिताजीक हाथे पैसा पठेला सँ सहजे पुगि जाएत से कहलनि । ताहि माध्यम केँ आधार मानि हुनके अनुरूप २६ सेप्टेम्बर २०१५ शनि दिन भेल निर्णय अनुसार संस्थाक तरफ सँ ५१,१११ आ सोनेलाल जी केर व्यक्तिगत तरफ सँ १५००० मिला’ कूल रकम ६६,१११ नेपाली रुपैया सोनेलाल पंडित जी केर पिता रामदेव पंडित जी के नामसँ पठाओल गेल ।” – ई जानकारी संस्थाक सचिव द्वारा कराओल गेल अछि।
“मुदा दु:खक गप्प जे ओ हमरासब संग गद्दारी कएलनि । आश्विन १३ गते, संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मुक्ति मोर्चा एवं राष्ट्रिय मुस्लीम संघर्ष गठबन्धनद्वारा रौटहट केर सदरमुकाम गौरमे आयोजित एकटा विशाल बिरोध सभा मे ओ सहयोगक रकम केँ पीडित परिवार धरि अपन निजी नामसँ वितरण करैत खड़खाँही लूटबाक कुचेष्टा कएलनि । कतारवासीक तथा कतारक संस्थाक नाम वा कोनो प्रसंग तक ओहि सहयोग मे नहि खुलौलनि । उल्टे संस्थाक अनुमती बिना ५००० कटौती कय कपडा किनिकय मात्र ६१००० रुपैया शहीद राज किशोर ठाकुर केर पिता श्री महंत ठाकुरकेँ हस्तान्तरित केलनि आ अपन फोटो ठाठसँ खिचौलनि । अत: सर्वसाधारणमे जानकारी हेतु एहिके पुन: स्पष्ट कय रहल छी ।” – राहत वितरण मे घटल दुर्भाग्यपूर्ण आ अनपेक्षित घटना केँ सचिव खोललनि।
ओना शहीदक परिवार संगे समुचित वार्ता करैत प्रवासी मिथिला समाज कल्याण गप्प केँ फरिछा देलक । एम्हर सोनेलाल आ ओकर बाबूजी केँ सेहो एहि दुर्भाग्यपूर्ण अनुचित प्रकरण लेल आवश्यकता अनुरूप बुझायल गेल आर आइन्दा एहन गलत काज नै कैल जाय जाहि सँ शहीदक परिवार लेल सहयोग करबाक उमंग कतहु सेरा जाय आ सामाजिक दायित्वक बोध मे एहेन तुच्छ हरकत समान घटना सँ नकारात्मक असर पड़ैक, ई हुनका लोकनि केँ बुझायल गेल। सबगोटे एहेन वाहियात खड़खाँही लूटबाक आ झूठक नाम कमेबाक लोभ मे नहि फँसि ओहेन लोकक बहिष्कार करु आ नीक काज केनिहार सबकेँ नैतिक समर्थन करैत प्रोत्साहित करू यैह निवेदन संस्थाक तरफ सँ बेर-बेर अछि – अपन भावना रखैत सचिव स्पष्ट केलनि।
विदिते अछि किछुए दिन पूर्व सँ कतारमे रहल मैथिल/मधेशीसब मिलिकय मधेस आन्दोलनमे अपन जानक आहुति देनिहार वीर शहीद सबहक पीडित परिवार तक समुचित आर्थिक सहयोग पहुँचेबाक संकल्प केने अछि, आर ताहि वास्ते चन्दा संकलन कय अभियान शुरु केने अछि। एहि अभियान अन्तर्गत सबसँ पहिने ४ सितम्बर २०१५ शुक्र दिन मधेश आन्दोलन दुइ केर क्रममे शहादत देनिहार पहिल शहीद राजीव राउत, भारदह केर पीडित परिवार लेल १,११,१११ ने.रु पठौने छल । क्रमश: यथायोग्य सहयोग आरो-आरो शहीदक परिवार लेल पठेबाक निस्तुकी अछि।