भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक जन्मदिन पर खास बात

सितम्बर १७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

narendra modi with putinस्वतंत्र गणतांत्रिक भारतक इतिहास मे २०१४ केर आम निर्वाचन केँ देखैत करीब साल भरि पहिने यानि २०१३ मे पहिल बेर कोनो राजनीतिक दल द्वारा प्रधानमंत्रीक उम्मीदवारक नाम चुनाव पूर्वहि घोषणा करैत करोड़ों मतदाता मे कोनो विशिष्ट व्यक्ति केर नेतृत्व पर अपन मतदान करबाक आह्वान कैल गेल छल। ओ नाम एहेन छल जेकरा पाछाँ अनेको विरोधाभासी मिथक आदि जुड़ल छल। एकटा कट्टर हिन्दूवादी नेताक रूप मे ओ नाम भाजपा नेता आ गुजरात मे लगातार तेसर बेर अपार बहुमत सँ चुनल गेल मुख्यमंत्री श्री नरेन्द्र मोदी केर छल।

एक तरफ काँग्रेसक लंबा शासन सँ ऊबि गेल जनता – दोसर तरफ ‘सेक्युलरिज्म’ शब्दक अतिवाद सँ चिढल जनता – तेसर तरफ सत्तापर एकाधिकारवादक स्थापना सँ बढि गेल दंभ – चारिम तरफ बहुल्य हिन्दू आस्थाक विरुद्ध बलात्कारी कूबोल केर भरमार – पाँचम जे वोटबैंक पोलिटिक्स सँ ‘अल्पसंख्यक तुष्टीकरण’ केर खोखला उन्माद; हर तरहें भारतीय जनमानस मे एकटा मजबूत राजनेताक माँग छल आ ताहि नब्ज केँ ससमय पहिचान करैत देशक सशक्त विपक्षी भूमिका मे रहल राजग आ भारतीय जनता पार्टी आत्मसात करैत ठोकल निर्णय सँ देशक जनताकेँ एक नेता – नरेन्द्र मोदी केर विकल्प देल गेल।

नरेन्द्र मोदीक नाम अबैत देरी करोड़ों हिन्दू जनमानस मे वाँछा अनुरूप नेताक नाम आगाँ एला सँ प्रसन्नता तऽ व्याप्त भेबे कैल, दोसर तरफ मिडिया द्वारा नरेन्द्र मोदीक नकारात्मक छवि केँ जनमानस मे पसारबाक जतेक कूत्सित कार्य भेल आ विरोधी पक्ष द्वारा मोदीक ऊपर जाहि तरहें टीका-टिप्पणीक निकृष्टतम् शब्दबाण आदि छोड़ल गेल, ताहि सब सँ नरेन्द्र मोदीक लोकप्रियता आ प्रधानमंत्री पद पर उम्मीदवारीक प्रबलता आरो बढैत चलि गेल। बड़का-बड़का पोलिटिकल पण्डित आ विश्लेषक सहित नरेन्द्र मोदीक कहियो खूलिकय प्रशंसा कएनिहार पर्यन्त सटीक आकलन सँ चूकि गेलाह आ एम्हर जनभावना मे ‘मोदी-मोदी’ केर लहर एहि तरहें चलल जेकरा ‘सुनामी’क संज्ञा देब तऽ अतिश्योक्ति नहि होयत। अन्ततोगत्वा नरेन्द्र मोदी व हुनक समस्त सहयोगी आ पार्टी सौंसे देश मे ‘मोदीजी आनेवाले हैं – अच्छे दिन आनेवाले हैं’ पाँति केँ प्रत्येक जनताक जुबान पर चढा देलक आ भव्यतम् जीत हासिल करैत भारत मे बहुत वर्षक बाद एकटा मजबूत सरकार केर स्थापना संभव भेल अछि।

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक जीवन एवं कार्यकाल: विभिन्न उपलब्धि
(साभार: नरेन्द्र मोदी जी केर वेबसाइट)

नरेन्द्र मोदी २६ मई २०१४ केँ भारतक प्रधानमंत्री पद केर शपथ लेलनि और ओ भारतक प्रथम प्रधानमंत्री छथि जिनक जन्म आजादीक बाद भेल अछि। ऊर्जावान, समर्पित आर दृढ़ निश्चय वाला नरेन्द्र मोदी एक अरब सँ अधिक भारतीय केर आकांक्षा और आशाक द्योतक छथि।

मई २०१४ मे अपन पद सम्हारलाक बादहि सँ प्रधानमंत्री मोदी चहुंमुखी और समावेशी विकास केर यात्रा पर निकैल गेला अछि जाहि सँ हरेक भारतीय अपन आशा और आकांक्षा सबकेँ पूरा कय सकय। ओ ‘अंत्योदय’, अर्थात्, अंतिम व्यक्ति धरि सेवा पहुंचेबाक सिद्धांत सँ अत्यधिक प्रेरित छथि।

नवीन विचार और पहल केर माध्यम सँ सरकार ई सुनिश्चित केलक अछि जे प्रगति केर रफ्तार तेज हो और हर नागरिक केँ विकास केर लाभ भेटय। आब शासन मुक्त अछि, एकर प्रक्रिया आसान भेलैक अछि, संगहि एहिमे पारदर्शिता एलैक अछि।

पहिल बेर प्रधानमंत्री जन-धन योजनाक माध्यम सँ अभूतपूर्व बदलाव आयल अछि जेकर अंतर्गत ई सुनिश्चित कैल गेल अछि जे देश केर सब नागरिक वित्तीय तंत्र मे शामिल होय। कारोबार केँ आसान बनेबाक अपन लक्ष्य केँ केंद्र में राखिकय ‘मेक इन इंडिया’ केर हुनक आह्वान सँ निवेशक और उद्यमी लोकनि मे अभूतपूर्व उत्साह और उद्यमिताक भाव केर संचार भेल अछि। ‘श्रमेव जयते’ पहल केर अंतर्गत श्रम सुधार और श्रम केर गरिमा सँ लघु और मध्यम उद्योग सब मे लागल अनेकों श्रमिक केर सशक्तिकरण भेल अछि और देशक कुशल युवा सब केँ सेहो प्रेरणा भेटल अछि।

पहिल बेर भारत सरकार द्वारा भारतक लोक लेल तीन सामाजिक सुरक्षा योजनाक शुरुआत कैल गेल और तहिना बुजुर्ग केँ पेंशन एवं गरीब केँ बीमा सुरक्षा देबा पर सेहो ध्यान केंद्रित कैल गेल। जुलाई २०१५ मे प्रधानमंत्री डिजिटल इंडिया बनेबाक उद्देश्य सँ डिजिटल इंडिया मिशन केर शुरुआत केलनि ताकि प्रौद्योगिकी केर मददि सँ लोकक जीवन मे बेहतर बदलाव आनल जा सकय।

२ अक्टूबर २०१४ केँ महात्मा गांधी केर जयंती पर प्रधानमंत्री द्वारा ‘स्वच्छ भारत मिशन’ – देशभरि मे स्वच्छताक लेल एक प्रकारक जन-आंदोलन, एकर शुरुआत भेल। एहि अभियानक व्यापकता आर एकर प्रभाव ऐतिहासिक अछि।

नरेन्द्र मोदी केर विदेश नीति सँ संबंधित विभिन्न पहल मे विश्व केर सबसँ पैघ लोकतंत्र भारतक वैश्विक मंच पर वास्तविक क्षमता एवं भूमिका केर छाप देखाइत अछि। ओ सब सार्क देशक राष्ट्राध्यक्षक उपस्थिति मे अपन कार्यकाल केर शुरुआत केलनि। संयुक्त राष्ट्र महासभा मे देल गेल हुनकर भाषण केर दुनिया भरि मे प्रशंसा भेल। नरेन्द्र मोदी भारतक एहेन पहिल प्रधानमंत्री बनला जे १७ वर्ष केर लंबा अंतरालक बाद नेपाल, २८ वर्ष बाद ऑस्ट्रेलिया, ३१ वर्ष बाद फिजी और ३४ वर्ष बाद सेशेल्स केर द्विपक्षीय यात्रा केलनि। पदभार ग्रहण करलाक बादे सँ नरेन्द्र मोदी संयुक्त राष्ट्र, ब्रिक्स, सार्क और जी-२० शिखर सम्मेलन सबमे भाग लेलनि, जतय अनेकों प्रकारक वैश्विक, आर्थिक और राजनैतिक मुद्दा सबपर भारतक कार्यक्रम आर विचारक जबर्दस्त सराहना कैल गेल। जापानक हुनक यात्रा सँ भारत-जापान संबंध मे एकटा नव युग केर शुरुआत भेल। ओ मंगोलियाक यात्रा करनिहार प्रथम भारतीय प्रधानमंत्री छथि और चीन तथा दक्षिण कोरिया केर हुनक यात्रा भारत मे निवेश अनबाक दृष्टि सँ कामयाब रहल अछि। फ्रांस और जर्मनी केर अपन यात्राक दौरान ओ यूरोपक संग निरंतर जुड़ल रहला।

श्री नरेन्द्र मोदी अरब देशक संग मजबूत संबंध केँ काफी महत्व देलनि अछि। अगस्त २०१५ मे संयुक्त अरब अमीरात केर हुनक यात्रा ३४ साल मे कोनो भारतीय प्रधानमंत्रीक पहिल यात्रा छल जेकर दौरान ओ खाड़ी देशक संग भारतक आर्थिक भागीदारी केँ बढ़ेबाक लेल व्यापक स्तर पर पहल केलनि। जुलाई २०१५ मे श्री मोदी द्वारा पांच मध्य एशियाई देशक दौरा कैल गेल। ओ यात्रा अपना-आप मे खास आ विशेष रहल। भारत और एहि देश सबहक बीच ऊर्जा, व्यापार, संस्कृति और अर्थव्यवस्था जेहेन क्षेत्र सबपर महत्वपूर्ण समझौता भेल।

ऑस्ट्रेलियाक राष्ट्रपति टोनी अबॉट, चीनक राष्ट्रपति शी जिनपिंग, श्रीलंकाक राष्ट्रपति मैत्रीपाल सिरिसेना एवं रूसक राष्ट्रपति ब्लादीमीर पुतिन सहित विश्वक कईएको नेता भारत केर दौरा केलनि अछि आर एहि दौरा सबसँ भारत आर ओहि देश सबहक बीच सहयोग सुधारय मे सफलता भेटल अछि। वर्ष २०१५ केर गणतंत्र दिवस पर राष्ट्रपति बराक ओबामा प्रमुख अतिथिके रूप मे भारतक दौरा पर अयलाह जे भारत-अमेरिका संबंध केर विद्यमान् इतिहास मे पहिले बेर भेल अछि। अगस्त २०१५ मे भारत द्वारा एफआईपीआईसी शिखर सम्मेलन केर मेजबानी कैल गेल जाहि मे प्रशांत द्वीप समूह केर शीर्ष नेता लोकनि भाग लेलनि। अही दौरान प्रशांत द्वीप समूह केर संग भारत केर संबंध सँ जुड़ल महत्वपूर्ण पहलु सबपर चर्चा कैल गेल।

कोनो एक निश्चित तारीख केँ “अंतर्राष्ट्रीय योग दिवस” केर रूप मे मनायल जाय – ई नरेन्द्र मोदी केर आह्वान केँ संयुक्त राष्ट्र मे जबर्दस्त समर्थन प्राप्त भेल। पहिल बेर विश्व भरिक १७७ देश सब एकजुट भऽ कय २१ जून केँ “अंतर्राष्ट्रीय योग दिवस” केर रूप मे मनेबाक संकल्प संयुक्त राष्ट्र मे पारित केलनि।

हिनक जन्म १७ सितम्बर १९५० केँ गुजरात केर एक छोट शहर मे भेलनि। एक गरीब मुदा स्नेहपूर्ण परिवार मे पालल-पोसल गेला। जीवनक आरंभिक कठिनाई नहि केवल हुनका कठिन परिश्रम केर मूल्य सिखेलकनि बल्कि ओहि अपरिहार्य दुखादि सँ सेहो परिचित करेलकनि जाहि सँ आमजनक अपन दैनिक जीवन मे गुजरय पड़ैत छैक। अही सँ हुनका कमे अवस्था मे अपना-आपकेँ आमजन एवं राष्ट्र केर सेवा मे समर्पित करबाक प्रेरणा भेटलनि। प्रारंभिक वर्ष सब मे ओ राष्ट्र निर्माण प्रति समर्पित राष्ट्रवादी संगठन, राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ (आरएसएस) केर संग कार्य केलनि आर ताहि उपरांत ओ राज्य स्तर तथा राष्ट्रीय स्तर पर भारतीय जनता पार्टी संगठन केर संग कार्य करिते राजनीति सँ जुड़ि गेला।

वर्ष २००१ मे ओ अपन गृह राज्य गुजरात केर मुख्यमंत्री बनला। ओ मुख्यमंत्रीक रूप मे चारि गौरवपूर्ण कार्यकाल पूरा केलनि। ओ विनाशकारी भूकंप केर दुष्प्रभाव सँ जूझि रहल गुजरात केँ विकास रुपी इंजन केर रूप मे परिवर्तित कय देलनि जे आइ भारतक विकास मे महत्वपूर्ण योगदान दय रहल अछि।

नरेन्द्र मोदी एक जन-नेता छथि जे लोकक समस्या सबकेँ दूर करब आ हुनका लोकनिक जीवन स्तर मे सुधार लयबाक लेल प्रतिबद्ध छथि। ओ लोकक बीच गेनाय, हुनकर खुशी सबमे शामिल होयब तथा हुनका लोकनिक दुख केँ दूर करबा मे बहुत नीक अनुभूति करैत छथि। जमीनी स्तर पर लोकक संग गहिंर निजी संपर्क होयबाक संग-संग ओ ऑनलाइन सेहो उपलब्ध छथि। तकनीक केर प्रति प्रेम आर ओहिमे समझ रखनिहार नेता मे ओ भारतक सबसँ पैघ राजनेता छथि। वेबसाइट केर माध्यम सँ लोक धरि पहुंचब और हुनका लोकनिक जीवन मे बदलाव अनबाक लेल ओ सदिखन कार्यरत छथि। ओ सोशल मीडिया, जेना – फेसबुक, ट्विटर, गूगल प्लस, इन्स्टाग्राम, साउंड क्लाउड, लिंक्डइन, वीबो तथा अन्य प्लेटफार्म पर सेहो काफी सक्रिय छथि।

राजनीति केर अलावा नरेन्द्र मोदी केँ लेखन करबाक सेहो शख छन्हि। ओ कतेको रास पुस्तक लिखलनि अछि, जाहिमे कविता आदि सेहो शामिल अछि। ओ अपन दिनक शुरुआत योग सँ करैत छथि। योग हुनक शरीर और मन केर बीच सामंजस्य स्थापित करैत अछि तथा बहुत बेसी भागदौड़ भरल दिनचर्या मे हुनका मे शांति केर संचार करैत अछि।

ओ साहस, करुणा और विश्वास सँ पूर्ण एकटा एहेन व्यक्ति छथि जिनका देश द्वारा एहि विश्वासक संग अपन जनादेश देल गेल अछि जे ओ भारतक पुनरुत्थान करता और एकरा दुनियाक पथ–प्रदर्शक बनौता।