अमित आनन्द, महिषीधाम, सहरसा। सितम्बर २, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिलावासी लेल आनन्ददायक समाचार: ईन्जिनियर ए. के. झा, मूलग्राम – बरहा (बेनीपट्टी, मधुबनी) – नेशनल थर्मल पावर कोरपोरेशन लिमिटेड केर सीएमडी केर रूप मे नियुक्त कैल गेलाह!!
मिथिलाक सपुत देश मे छोट सँ लैत पैघ पद पर आसीन छथि। मैथिली जिन्दाबाद पर एहेन प्रसिद्धि प्राप्त पद पर आसीन सपुत लोकनिक परिचय केर संग्रह निरंतरता मे प्रसंग मुताबिक समय-समय पर देल जाइत अछि।
आइये समाचार भेटल अछि जे देशक नवरत्न कंपनी मानल जायवाला आ बिजली उत्पादनक मुख्य जिम्मेवारी सम्हारयवला कंपनी – नेशनल थर्मल पावर कोरपोरेशन लिमिटेड यानि एनटीपीसी केर सर्वेसर्वा नियुक्त भेला अछि। सीएमडी केर रूप मे श्री झा केर नियुक्ति भेला सँ मिथिलाक सपुत केर देशक एकटा सर्वोच्च पद पर पहुँचबाक नव कीर्तिमान बनल अछि। एहि सँ समस्त मिथिलावासी मे प्रसन्नताक लहैर दौड़ि गेल अछि। ई नियुक्ति बस दुइ दिन पूर्व भारत सरकार द्वारा कैल गेल अछि।
श्री झा बिआइटी – सिंदरी सँ मेकेनिकल इन्जिनीरिंग आ दिल्ली विश्वविद्यालय सँ LL.B छैथ आर एनटीपीसी मे १९७७ सँ कार्यरत छथि!
श्री ए. के. झा – उम्र ५८ वर्ष, राँची विश्वविद्यालय अन्तर्गत बिआइटी – सिन्दरी सँ मेकेनिकल ईन्जिनियरिंग केर ग्रेजुएट आर LL.B. दिल्ली विश्वविद्यालय सँ केने छथि। ओ NTPC १९७७ मे Executive Trainee (2nd Batch) केर रूप मे नियुक्त भेल छलाह। संस्थानक सर्वथा उच्च-प्रतिष्ठित परियोजना जेना सिंगरौली (5×200 MW) केर निर्माण दल सँ संबद्ध छलाह। हिनका पास पावर प्रोजेक्ट केर क्षेत्र मे ३८ वर्षक वृहत्तर तकनिकी ज्ञान आ अत्यन्त गहिंर अनुभव छन्हि। जेना Design & Engineering, Project Planning & Monitoring आर Project Construction & Management, एहि सब क्षेत्र मे हिनकर अनुभव तथा ज्ञानक प्रशंसा कैल जाइछ। ओ NTPC Board केर Director (Technical) केर रूप मे जुलाई २०१२ मे ज्वाइन केने छलाह।
कोनो नव परियोजनाक प्रारंभ करबाक लेल लगानीक परिकल्पना आ सीमा हिनकहि द्वारा पास कैल जाइत छल। परियोजना केँ लगेबाक वा लगाबय लेल योजना बनेबाक महत्वपूर्ण कार्यक संपूर्ण अबधि भैर अभियांत्रिकी प्रारूप सँ आवश्यक ढाँचा, शोध-कार्य, सामग्री ओ समग्र स्वरूप लेल हिनकहि पर जिम्मेवारी रहैत छल। NTPC केर कोनो पुरान स्टेशनक मे नव जीवन देबाक वा ओकर क्षमता बढेबाक, NTPC केर समस्त कार्यक्षेत्र जेना थर्मल, हाइड्रो, इत्यादि मे हिनकहि निर्णय सँ कार्य कैल जाइत रहल छल। नीति निर्माण, व्यवसाय विकास, परियोजनाक ठेक्का-पट्टा, ईन्जिनियरिंग आ कमिशनिंग इत्यादि सब महत्वपूर्ण कार्य मे हिनके ऊपर निर्णय भार रहैत छल। नव शोधकार्य (R & D) लेल समर्पित NETRA (NTPC Energy Technology and Research Alliance), वातावरण सहयोगी तकनीकी यथा Ultra Super Critical/Advance Ultra super Critical, Information technology पहल Enterprise Resource Planning (ERP) तथा Environmental Engineering सहित समस्त भार केँ हिनकहि विलक्षण प्रतिभा सँ वर्षों-वर्ष सँ सेवा देल गेल अछि। निश्चित रूप सँ बहुमूखी प्रतिभाक स्वामी श्री ए. के. झा देशक नवरत्न संस्थानक सर्वोच्च पद पर विराजित होयबाक काबिल छलाह, आर हिनका संगहि समस्त मिथिलावासीक एकटा बहुत पैघ सपना पूरा भेल। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ हार्दिक बधाई!!
4 Comments
Badhayi aa shuvakamana.
Congratulations sir for achieving this Mile Stone. Proud feeling.
BAHUT BAHUT BADHAI – DESH RATAN , MITHILA RATAN KEN
Congratulations mithlavasi
jai mithla jai maithil !!!!!!!!!!!!!!!