Search

सहरसाक सड़क सँ वॅालीवुडक सिल्वर स्क्रीन धरि: पंकज झा

172 भ्यूज

किसलय कृष्ण, सहरसा। जुलाई २७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

pankaj jha actorसहरसा जिलाक प्रसिद्ध गाम मुरादपुर जन्म लेनिहार पंकज झा सम्प्रति वॅालीवुडक कला फिल्मक चर्चित अभिनेता बनि चुकल छथि । सहरसा सँ प्राथमिक शिक्षाक बाद बिहार आर्ट्स कालेज सँ बी एफ ए केलनि आ फेर राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय नई दिल्लीक रेपर्टरीमे अभिनेताक रुपमे योगदान देलनि । रंगमंचसँ ओ अचानक नहि जुड़लाह अपितु हाईस्कूलक समयहिसँ सहरसामे आह्वान,प्रयास आदि नाट्य संस्थाक माध्यमे ओ कतेको मंचीय आ सड़क नाटकमे अभिनय केलनि । एनएसडीक रेपर्टरीसँ जुड़लाक बाद अनेको महत्वपूर्ण नाटकमे अपन अभिनयक छाप छोड़लनि ई मिथिलाक ई सपूत । हिनक बनाओल कतेको पेन्टिंग सेहो चर्चित भेल अछि। दिल्लीमे अपन अभिनयक छाप छोड़ैत ई पहुँचि गेलाह मायानगरी मुम्बइ आ फिल्म एक्टिग आ माडलिंगमे सक्रिय छथि । एखन धरि चमेली, मातृभुमि , वेडनेसडे , गुलाल , देसवा आदि दर्जनो फिल्ममे अपन सशक्त अभिनयक लोहा मनबा चुकल छथि । तहिना अनेको ब्राण्डक विज्ञापनमे सेहो संलग्न छथि । क्रिकेटर महेंद्र सिंह धोनी संग होण्डा बाइकक हिनक विज्ञापन बड प्रसिद्ध भेल अछि । हर्षक गप जे मैथिली मे प्रदर्शित होमअ जारहल फिल्म मिथिला मखान मे ई सशक्त भूमिका मे छथि।

Related Articles