सहरसाक सड़क सँ वॅालीवुडक सिल्वर स्क्रीन धरि: पंकज झा

किसलय कृष्ण, सहरसा। जुलाई २७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

pankaj jha actorसहरसा जिलाक प्रसिद्ध गाम मुरादपुर जन्म लेनिहार पंकज झा सम्प्रति वॅालीवुडक कला फिल्मक चर्चित अभिनेता बनि चुकल छथि । सहरसा सँ प्राथमिक शिक्षाक बाद बिहार आर्ट्स कालेज सँ बी एफ ए केलनि आ फेर राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय नई दिल्लीक रेपर्टरीमे अभिनेताक रुपमे योगदान देलनि । रंगमंचसँ ओ अचानक नहि जुड़लाह अपितु हाईस्कूलक समयहिसँ सहरसामे आह्वान,प्रयास आदि नाट्य संस्थाक माध्यमे ओ कतेको मंचीय आ सड़क नाटकमे अभिनय केलनि । एनएसडीक रेपर्टरीसँ जुड़लाक बाद अनेको महत्वपूर्ण नाटकमे अपन अभिनयक छाप छोड़लनि ई मिथिलाक ई सपूत । हिनक बनाओल कतेको पेन्टिंग सेहो चर्चित भेल अछि। दिल्लीमे अपन अभिनयक छाप छोड़ैत ई पहुँचि गेलाह मायानगरी मुम्बइ आ फिल्म एक्टिग आ माडलिंगमे सक्रिय छथि । एखन धरि चमेली, मातृभुमि , वेडनेसडे , गुलाल , देसवा आदि दर्जनो फिल्ममे अपन सशक्त अभिनयक लोहा मनबा चुकल छथि । तहिना अनेको ब्राण्डक विज्ञापनमे सेहो संलग्न छथि । क्रिकेटर महेंद्र सिंह धोनी संग होण्डा बाइकक हिनक विज्ञापन बड प्रसिद्ध भेल अछि । हर्षक गप जे मैथिली मे प्रदर्शित होमअ जारहल फिल्म मिथिला मखान मे ई सशक्त भूमिका मे छथि।