मिथिला गर्व करत अहाँक योगदान पर
सन्दर्भ – भारतीय सेना मे ब्रिगेडियर पद संगहि अनेकों विशेष प्रभार सम्हारनिहार मैथिल व्यक्तित्व अमिताभ झाक सीरिया मे निधन
India Lost Brigadier Amitabh Jha in Syria
Detailed News:
By Shubham Rajput
ब्रिगेडियर झा एक सैनिकहुं सँ बेसी रहथि
ओ विद्वान आ हृदय सँ साहसी छलाह । हुनकर रुचि सैन्य कूटनीति आ भू-राजनीति सँ लयकय सांस्कृतिक अध्ययन तथा उप-परंपरागत युद्ध तक छलन्हि ।
भारतीय रक्षा समाचार, 24 दिसम्बर, 2024 अद्यतन: 24 दिसम्बर, 2024 ।
– शुभम राजपूत
सेना प्रमुख जनरल उपेन्द्र द्विवेदीक नेतृत्व मे भारतीय सेना एवं समस्त रैंक द्वारा ब्रिगेडियर अमिताभ झाक 23 दिसंबर 2024 केँ हृदय गति रुकि गेलाक कारण भेल असामयिक निधन पर गहींर सम्वेदना व्यक्त करैत अछि । असमय पर गहरी संवेदना व्यक्त करते हैं ।
ब्रिगेडियर झा सीरियाक गोलान हाइट्स मे यूनाइटेड नेशंस डिसिंगेजमेंट ऑब्जर्वर फोर्स (यूएनडीओएफ) केर एक्टिंग फोर्स कमांडर आ डेपुटी फोर्स कमांडर रूप मे काज कय रहल छलाह । हुनकर निधन भारतीय सेना आ ग्लोबल पीसकीपिंग कम्यूनिटी लेल अत्यन्त गूढ़-गम्भीर शोकक क्षण थिकैक ।
नेतृत्व आ सेवाक विशिष्ट कैरियर :
गोरखा राइफल्स केर सम्मानित अधिकारी ब्रिगेडियर अमिताभ झा केर अत्यन्त यशस्वी सैन्य कैरियर रहनि, अनुकरणीय नेतृत्व आ सेवाक प्रति अटूट समर्पण सँ परिभाषित पदाधिकारी रूप मे जानल जाइत छलाह । ओ 14 अप्रैल 2023 केँ संयुक्त राष्ट्र मिशन मे शामिल भेलाह तथा अंतरराष्ट्रीय शांति स्थापना प्रयास मे महत्वपूर्ण योगदान देलनि ।
पैदल सेना विशेषज्ञता :
ब्रिगेडियर झा पैदल सेना अधिकारी छलाह जिनका परिचालन के व्यापक अनुभव छलनि । भारत केर चुनौतीपूर्ण, हिमखण्ड इलाका मे एगो ब्रिगेड के कमान सम्हारलनि आ एकर कमांडिंग ऑफिसर के रूप मे एगो विशेष यूनिट के नेतृत्व सेहो कयलनि ।
वैश्विक योगदान :
हुनकर अंतर्राष्ट्रीय योगदान मे कांगो लोकतांत्रिक गणराज्य मे संयुक्त राष्ट्र मिशन मे सैन्य पर्यवेक्षक के रूप मे कार्यकाल शामिल अछि । ई भूमिका सब वैश्विक शांति आ स्थिरता केँ बढ़ावा दय लेल हुनकर प्रतिबद्धता केँ रेखांकित कयलक ।
कर्मचारी आर निर्देशात्मक भूमिका :
हुनकर कैरियर पूरा भारतीय सेना मे अनेकों कर्मचारी तथा निर्देशात्मक नियुक्ति सँ सम्बद्ध छलन्हि, जेतय ओ कतेको रास भविष्यक नेतृत्व करयवला मार्गदर्शन एक मार्गदर्शक रूप मे कयलनि ।
रुचि आ व्यक्तिगत जीवन :
ब्रिगेडियर झा एकटा सिपाही सँ बहुत बेसी उपर छलाह; ओ विद्वान आ हृदय सँ साहसी छलाह । हुनकर रुचि सैन्य कूटनीति आ भू-राजनीति सँ लयकय सांस्कृतिक अध्ययन आर उप-परंपरागत युद्ध तक छलन्हि । खेल केर शौकीन, पहाड़ी क्षेत्र मे ट्रूप गेम संगहि बैकपैकिंग केर शौकीन रहथि । अपन पाछू पत्नी श्रीमती अनुपमा झा, जे एक कुशल शिक्षाविद छथि, आ दुइ बेटा केँ छोड़ि गेलाह अछि । हिनका सभक संग शोक के समय भारतीय सेना केर सहयोग उपलब्ध छन्हि ।
वैश्विक स्तर पर महसूस कयल गेल एगो क्षति :
संयुक्त राष्ट्र केर डिसएंगेजमेंट ऑब्जर्वर फोर्स (यूएनडीओएफ) मिशन पर तैनातीक दौरान ब्रिगेडियर झा पहिने डिप्टी फोर्स कमांडर आ हालहि कार्यवाहक फोर्स कमांडर रूप मे महत्वपूर्ण योगदान देलनि । गोलान हाइट्स केर अस्थिर क्षेत्र मे शांति आ स्थिरता कायम करय मे हुनकर भूमिका अहम छलन्हि । दुखद बात ई छै कि 23 दिसंबर, 2024 दिन ड्यूटीक दौरान हुनकर हृदय गति रुकि गेलनि, आर एहि तरहें सेवा आ बलिदान लेल समर्पित एगो उल्लेखनीय जीवनक अंत भ’ गेलैक । भारतीय सेना आ वैश्विक शांति सेना समुदाय हुनका एगो विशिष्ट अधिकारीक रूप मे याद करैत अछि, जिनकर विरासत पीढ़ी-दर-पीढ़ी केँ प्रेरित करतैक । हुनकर निधन सँ दुनिया भरिक शांति सेनाक बलिदानक स्मरण करबैत अछि । भारतीय सेना नुकसान केर एहि घड़ी मे शोक संतप्त परिवारक संग दृढ़तापूर्वक ठाढ़ अछि, हुनका सब केँ सहयोग आ सांत्वना दैत अछि ।
ब्रिगेडियर झा केर योगदान भारतीय सेनाक कहानी भरल इतिहास मे दर्ज रहतनि, आर हुनकर जीवन समर्पण, सेवा, आ उत्कृष्टता केर दीप बड़ैत रहतनि ।