“महामुर्ख”भेलाह नगरप्रमुख साह:महामुर्ख सम्मेलन

284

जनकपुरधाम,8मार्च 2023,मैथिली जिन्दावाद।।जनकपुरधामक प्रसिद्ध नाट्य संस्था मिथिला नाट्यकला परिषद(मिनाप) विगत २६ वर्ष स’ होरीक पूर्व संध्यामेँ “होरी महोत्सव तथा महामुर्ख सम्मेलन”कार्यक्रम करैत आबि रहल अछि। यहि वर्ष सेहो जानकी मंदिरक परिसरमेँ दु दिवसीय कार्यक्रम सफलतापूर्वक सम्पन्न कएलक।

यहि वर्ष जनकपुरधामक नगरप्रमुख मनोजकुमार साहकेँ “महामुर्खक”मानपदबी स’ सम्मानित कायल गेल । ताहिना १२ गोटे कए अन्य उपाधी स’ सम्मान काएल गेल जाहिमेँ सञ्चारकर्मी तथा पत्रकार ऋषी धमला जीकेँ   “पटमूर्ख”,सञ्चारकर्मी वीरेंद्र रमण जीके “सोटाचन्द्र”,महोत्तरीक मठिहानी  नगरपालिका नगरप्रमुख हरि प्रसाद मण्डल जीकेँ”वैशाखनंदन”, तमोलोपा नेत्री विभा ठाकुर जीकेँ “गणपसरैन”,पुर्व खेलाड़ी अनिलकुमार लाल कर्ण जीकेँ “खबसूरता”,याज्ञवल्क्य मा.वि. के प्रधानाध्यापक संजय झा जीकेँ “लोढासंकर” व्यावसायी बलराम साह जीकेँ “बज्रसोटा”, अधिवक्ता रेखा झा जीकेँ “मन्टुटिया”,इंजीनियर रत्नेश्वर लाल कर्ण जीकेँ “डपोरशंख”, कवियत्री किरण झा “रश्मि” जीकेँ “तुनमुसरी” मधेश प्रदेशक वन मंत्रालयक कर्मचारी लालबाबू यादव जीकेँ “हराशंख” आ मोनाष्टिक माध्यमिक विद्यालयक निर्देशक डॉ. सोनुकुमार साह जीकेँ “बज्रकिट” उपमा मानपदबी स’  सम्मानित कएल गेल।

महामुर्खक उपाधी पावि मेयर साह कहलन्हि,” सम्मान हमरा महत्वपूर्ण अछि” ओ कहलनि,”हम आओर जिम्मेदारी सँग जनताक सेवा करब”. कार्यक्रममें मधेश प्रदेशक उद्योग, पर्यटन तथा वनमन्त्री सुनीता यादव, बृहत्तर जनकपुरक अध्यक्ष शीतल साह, मैथिल विकास कोष अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी, चनमा अध्यक्ष विभा झा लगायतक उपस्थित रहल छल।

कार्यक्रममें फगुआयक हास्य कवि गोष्ठी में काशिकान्त झा”रसिक”,चित्रकार कवि विजय दत्त “मणि”,मनोज प्रमेश, किरण झा रश्मि,अशोक दत्त,रोशन जनकपुरी, कवियत्री पूनम झा मैथिली,दिगम्बर झा “दिनमणि”आ नरेश ठाकुर सहभागीता छलनि।
होरी गायनमे मिनापक पूर्वअध्यक्ष/गायक सुनील मल्लिक,ललित कामत,रामनारायण ठाकुर,संगीता देव आ मदन ठाकुर छलथि।कार्यक्रम अध्यक्षता मिनापक अध्यक्ष परमेश झा, मंच व्यस्थापन मिनापक महासचिव शैलेन्द्र मल्लिक छलनि उद्घोषक कमान सम्हारने छलाह श्याम सुंदर शशि।