ट्राइ! ट्राइ अगेन एण्ड अगेन! वन्स यू विल सक्सीड: ५९३वाँ रैंक प्राप्त विराज सिंह (बेगुसराय)

भारतीय सिविल सर्विसेज परीक्षा मे कुल १२३६ मे दर्जनों मैथिल भेला उतीर्ण

मुकुन्द मिश्र, सिमरिया, बेगुसराय! जुलाई ६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

भारतीय सिविल सर्विसेज परीक्षा मे कुल १२३६ मे दर्जनों मैथिल भेला उतीर्ण
भारतीय सिविल सर्विसेज परीक्षा मे कुल १२३६ मे दर्जनों मैथिल भेला उतीर्ण

हालहि प्रकाशित सिविल सर्विसेज परीक्षाक परिणाम बेगुसराय जिला लेल सेहो खुशखबड़ी देलक अछि। बरौनी प्रखंडक बिहट मकरमपुर निवासी विराज सिंह बेर-बेर प्रयासक बाद एहि बेर अपन सपना साकार करैत जिलावासी केँ गौरवान्वित केलनि अछि। जेठ भाइ विकास वैभव पहिनहि एहि प्रतिष्ठित परीक्षा पास कय वर्तमान मे पटनाक एसएसपी रूप मे कार्यरत छथि, हिनके आदर्श माननिहार छोट भाइ लगातार तीन बेर पहिनो पीटी, मेन्स आ साक्षात्कार धरिक विभिन्न फेज तक पहुँचियो पूर्ण सफलता सँ वंचित छलाह, लेकिन एहि बेर विराज सिंह ५९३वाँ रैंक हासिल केलनि अछि।

अपन जेठ भाइ केर कार्यशैली सँ प्रभावित विराज सेहो आइपीएस बनबाक सपना देखय लगला। बेगुसरायक बीआरडीएवी सँ दसमा तथा एनआइटी कुरुक्षेत्र सँ २००८ मे बीटेक केलाक बादे सँ ओ एहि परीक्षा केर तैयारी मे जुटि गेल छलाह। पैघ भाइ केँ कार्यक्षेत्र रोहतास आ बगहा मे हुनका संग रहि पूलिस प्रशासनक व्यवहारिक ज्ञान सेहो पहिने सँ लैत रहला। हिनक पिता ईन्डियन आयल कोरपोरेशन लिमिटेड बरौनी मे कार्यरत छथि। समूचा गाम आ जिला मे हिनकर सफलता सँ प्रसन्नताक दौड़ चलि रहल अछि।