बनगांव के शैलेश मिश्र पुत्र श्री घनश्याम मिश्र राष्ट्रीय रक्षा अकादमी केर बैच १३४ मे चयनित भेला अछि। हुनकर ट्रेनिंग २ जुलाई २०१५ सँ शुरु भऽ गेल अछि। हुनकर रैंक -२०३ भारतीय सेना मिलल अछि।
– राजीव रंजन झा – फोन नं. ९६०८२४९१२३
उपरोक्त जानकारी मैथिली जिन्दाबाद केँ ईमेल द्वारा देल गेल अछि। सफल शैलेश मिश्र केँ भारतीय सेनाक उच्च अधिकारी बनि देश सेवा हेतु भेटल रैंक सँ हमरा लोकनि बहुत प्रसन्न छी। बनगाँव (सहरसा) ओ भूमि थीक जे देश केँ सदैव एक सँ बढि कय एक उच्चाधिकारी दैत रहल अछि। एहि सूची मे नव नाम शैलेशक जुड़ाव सँ आरो बेसी प्रसन्नता भेटल अछि। सब मैथिल केँ बधाई!! मैथिली जिन्दाबाद!!

2 Comments
i te bad khusi ke baat, bada aashchary je gam ke bahut rass log ke i gap bujhle ne chhe
maithili jndabad ke ahi khabar ke lel dhanywad aa pravin bhai ke katek dhanywad deb otba sabd ne ye hamra sang me te hunka pranam