नेशनल डिफेन्स एकेडमी मे बनगाँव केर वीरपुत्रक चयन

nda cadetबनगांव के शैलेश मिश्र पुत्र श्री घनश्याम मिश्र राष्ट्रीय रक्षा अकादमी केर बैच १३४ मे चयनित भेला अछि। हुनकर ट्रेनिंग २ जुलाई २०१५ सँ शुरु भऽ गेल अछि। हुनकर रैंक -२०३ भारतीय सेना मिलल अछि।

– राजीव रंजन झा – फोन नं. ९६०८२४९१२३

उपरोक्त जानकारी मैथिली जिन्दाबाद केँ ईमेल द्वारा देल गेल अछि। सफल शैलेश मिश्र केँ भारतीय सेनाक उच्च अधिकारी बनि देश सेवा हेतु भेटल रैंक सँ हमरा लोकनि बहुत प्रसन्न छी। बनगाँव (सहरसा) ओ भूमि थीक जे देश केँ सदैव एक सँ बढि कय एक उच्चाधिकारी दैत रहल अछि। एहि सूची मे नव नाम शैलेशक जुड़ाव सँ आरो बेसी प्रसन्नता भेटल अछि। सब मैथिल केँ बधाई!! मैथिली जिन्दाबाद!!