लोकअस्थाक पर्व छठिकेँ भेल विधिवत सुरुवात;आई खरना होयत।

254

फ़ाइल फ़ोटो जनकपुरधाम,29 अक्टूबर 2022।।मिथिलाक लोक आस्थाक पर्व छठिपर्व विधिवत काल्हि स’ सुरु भेल। चारदिन धरि अत्यन्त नियम निष्ठापूर्वक मनाओल जाएबला छठिक पहिलदिन काल्हि‘नहायखाय’ स’सुरुवात भेल।  ब्रतालुसभ नहाय-खाय क अरबा अरबाईन भोजन कएलीह। आई दोशर दिन साँझ प्रसादक रुपममें चाउर, मिठा आ दुध मिलाक’बनाएल खीर ग्रहण क’ खरना करैत छथि।तहिना तेसर अर्थात मूलदिन डूबैत सूर्यकेँ अर्घ देबाक लेल घर स’ पूजाक सबटा  समान सभ घाटपर ल’जा’क सूर्यदेवके अर्घ देल जाइत अछि। चारिम दिन सोमबार भोरमे उगैत सूर्यकेँ अर्घ देलाक बाद छठिपर्व विधिवत समापन होइत अछि ।छठिपर्वमें बाँसक छिट्टी, डग्री, मटिक कोसिया कुरबार, हाती लागयतक समानसभ चढाओल जाइत अछि । तहिना प्रसाद रुपमेँ ठकुवा, भुसुवा, केरा, खाजा मिठाइ, उखि, हरैद,भन्टा, आदि एवं विविध प्रकारक मिठाई तथा फलफुल सूर्य देवता अर्थात दिनानाथलाई चढाउल जाइत अछि । यहि पर्वकेँ कृषिसँ सबन्धित भेला स’ किसानसब उबजोने तरकारी आ फलक अर्घ देल करैत अछि ।अर्घ देनिहारि ब्रतालु ४८ घन्टाधरि निर्जल उपबास बैसल करैत अछि । छठि पर्वमें सूर्य भगवान अर्थात दिनानाथकेँ अर्घ देबय लेल बनाओल जाएबला प्रसाद आ ओरियोन सेहो अत्यन्त नियम निष्ठापूर्वक क’र परबाक भेला स’ छठिकेँ निष्ठा आ कठोर पर्वक रुपमेँ मानल जाएत अछि।