Search

दहेज मुक्त मिथिला – मुंबई द्वारा विजेता पुतुल केर होयत सम्मान

135 भ्यूज

मुम्बई, जुन २४, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

dmm program42आबयवला रवि यानि २८ जुन, २०१५ केँ मुम्बई केर जरी मरी माता मन्दिर, G-1, वर्ली हिल रोड, कैम्पा कोला लेन, वर्ली नाका पर दहेज मुक्त मिथिला – मुम्बई केर कार्यकर्ता सम्मेलनक आयोजन होमय जा रहल अछि। जानकारी दैत संस्थाक राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा बतौलनि जे एहि कार्यक्रम मे विरार महानगरपालिकाक चुनाव मे वसइ क्षेत्र सँ विजेता मैथिलानी पुतुल रविन्द्र झा केर नागरिक सम्मान समारोह सेहो आयोजन कैल जायत। विदित अछि जे मिथिलाक सर्वाधिक लोकप्रिय फेसबुकिया संस्था जे क्रमश: यथार्थ धरातल पर सेहो यथासंभव अभियान आदिक निरन्तर संचालन करैत अछि, एहि संस्थाक सर्वाधिक कार्यक्रम मुम्बई मे आम जनसहभागिताक संग होयबाक रिकार्ड अछि। मुम्बई मे राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा सहित संरक्षक पंडित धर्मानन्द झा आ अनेको समर्पित मैथिली-मिथिला अभियानी स्वयं सशक्त रूप सँ मातृभाषा ओ संस्कृति प्रति समर्पित कार्यक्रम आदिक आयोजन करैत छथि। समूचा मुम्बई मे दहेज मुक्त मिथिलाक चर्चा सदिखन जोर पर रहैत अछि, कारण कार्यकर्ताक समर्पण आ त्याग सँ मिथिलाक सेवाक भावना सर्वोपरि रहैत देखल जाइछ।

महाराष्ट्र अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा जानकारी करौलनि अछि जे “दहेज मुक्त मिथिलाक गतिविधि मे आरो वृद्धि अनबाक लेल आ मिथिलाक मूल स्थान पर सेहो एहि अभियान केँ गतिशील बनेबाक लेल मूलरूप सँ ई कार्यकर्ता सम्मेलनक आयोजन कैल जा रहल अछि। हमरा लोकनि ई निर्णय लेब जे कोना आरो सक्रिय लोक सबकेँ एहि पवित्र अभियान सँ जोड़ैत जनजागृति द्वारा मिथिला केँ दहेज मुक्त बनेबाक सपना पूरा हो।” संरक्षक पं. धर्मानन्द झा केर प्रेरणा सँ ई कार्यक्रम हुनक जन्मदिवसक संग रवि दिन छुट्टीक होयबाक कारणे सबटा संयोग नीके होयबाक जानकारी रामनरेश शर्मा करबैत छथि। तहिना राजेश राय कार्यक्रम मे आमंत्रित अतिथि लोकनिक नामावली तैयार कय रहला अछि। अनुप सत्यनारायण झा एहि मे आरो महत्त्वपूर्ण सहभागिता हेतु आयोजक लोकनि केँ नाम एवं नंबर उपलब्ध करा रहलखिन अछि।

बीतल रवि दिन संस्कार मिथिला द्वारा सेहो पुतुल रविन्द्र झा केर सम्मान समारोह कैल गेल छल। एहि अवसर पर विशिष्ट अतिथि डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजु सेहो मुम्बई पहुँचल छलाह। मैथिलक एकता सँ कोना राजनैतिक सशक्तिकरण भऽ रहल अछि ताहि प्रेरणाक संचरण करबाक उद्देश्य सँ पुतुल केर सम्मान समारोहक आयोजन सँ समस्त मैथिल प्रसन्नताक अनुभूति कय रहला अछि। कार्यक्रमक विवरण आमंत्रण पत्रक अनुसार एना अछि जे दुपहरिया २ बजे सँ ४ बजे धरि श्री सत्यनारायण भगवान् केर पूजाक आयोजन, ४ बजे सँ कार्यकर्ता सम्मेलन, ५ बजे सँ पुतुल केर सत्कार समारोह, ६ बजे सँ संरक्षक पंडित धर्मानन्द झा केर जन्म दिवस आ संध्या ६:३० बजे अल्पाहार व चाह-पानक संग कार्यक्रमक समापन होयत। एहि अवसर सैकड़ों सामाजिक एवं संस्कृतिसेवी अभियानी, नेतृत्वकर्मी, महिला तथा सज्जनवृन्द केँ आमंत्रण कैल जेबाक समाचार सेहो भेटल अछि।

dmm banner 1ई तय छैक जे जाहि तरहें वर्तमान समय मे बेटावला केँ पुतोहु भेटब मोस्किल भऽ गेलैक अछि, जाहि तरहें लोक बेटीकेँ सुशिक्षित बना बिल्कुल बेटा समान अपन पारिवारिक जिम्मेवारी वहन करबाक भार सौंपि देलकैक अछि, ताहि सँ दहेजक व्यवहार बहुत हद तक संतुलित भऽ गेलैक अछि आ दहेज मुक्त मिथिलाक नारा जे माँगरूपी दहेजक प्रतिकार करू, स्वेच्छाचारिता केँ बढाबा दैत स्वच्छ वैवाहिक सम्बन्ध एवं स्वच्छ-स्वस्थ संतानक परिकल्पना करू, ई अवश्य नजदीक भविष्य मे पूरा हेबाक संभावना प्रबल भऽ गेलैक अछि।

Related Articles