२४ जुन, २०१५. सहरसा. मैथिली जिन्दाबाद!!
बनगाँव (सहरसा) सँ लैत संपूर्ण जिलाक लगभग हर गाम आ क्षेत्रक लोक सहरसा मे एम्स केर माँग लेल आन्दोलित अछि। पूर्व मे विधायक आलोक रंजन आ मधेपुरा सँ सांसद पप्पू यादव द्वारा सेहो एहि लेल समुचित आवाज उठबैत सम्बन्धित मंत्री एवं मंत्रालय तक ज्ञापन सेहो देल जा चुकल अछि। बिहार सरकार द्वारा सेहो समुचित सिफारिश करबाक आश्वासन देल गेल अछि। मुदा हाल धरि एहि पर कोनो ठोस निर्णय तथा घोषणा नहि हेबाक कारणे जनमानस मे अनिश्चितता बनल अछि। ताहि हेतु नित्य प्रदर्शन आ धरना आदिक कार्यक्रम विभिन्न गाम आ ठाम पर कैल जा रहल अछि। धीरे-धीरे सब दल आ सब समुदायक लोक एहि माँग लेल आगाँ आबय लागल अछि। आइयो एहि माँग पर रहुआमणि गाम मे विशाल जनसभाक आयोजन कैल गेल अछि। समाजसेवी सुमन खाँ समाज लिखैत छथि:
हम बीमार छी उमर बहुत अछि शेष
रोगक निदान सहरसा मे हो एम्स
जागि गेल अछि युवा शक्ति
जन जन के जगा रहल
आंदोलन के भय गेल श्री गणेश
सब मिलि मांगू हमरा चाही एम्स
लगभग सबहक जुबान पर एम्स सहरसा मे बनबाक माँग आबि चुकल अछि। देखा चाही ई माँग केन्द्र सरकार द्वारा कहिया तक पूरा कैल जाइत अछि। हालहि केन्द्रिय स्वास्थ्य मंत्री पटना एम्स मे आयल छलाह जतय सँ दरभंगा तथा भागलपुर मेडिकल कालेज कैन्सर सन खतरनाक बीमारीक इलाज लेल लगभग ४५ करोड़ बजेट सँ व्यवस्था दुनू ठाम लेल देल जेबाक घोषणा केलनि। दोसर एम्स कतय बनत ताहि लेल केन्द्र राज्य सरकारक सिफारिश केर इन्तजार करबाक बात कहि अपना माथ सँ जिम्मेवारी टालि देने छल। एहि बीच प्रगतिक समुचित खबैड़ नहि भेटल अछि।

1 Comment
सहरसा में एम्स बनला सँ,सुपौल मधेपुरा,अरड़िया,खगड़िया,कटिहार,पुर्णियाँ फारबिसगंज,मधुबनी,झंझारपुर आदि करोड़ों नागरिक कें लाभ मिलत । दरभंगा आ पटना भागलपुर में त पहिनहुँ सँ किछु नै किछु सुविधा अछि । मुदा सहरसा आ आसपासक लोग इलाज कें अभाव में बेमौत मारल जा रहल अछि । बरसों भऽ गेल यै,मुदा एकटा समुचित अस्पतालक अभाव जस कें तस बनल अछि । सरकार कें एहि मांग पर गहन सोच बिचार करबाक चाहि,आ AIIMS कें स्थापना सहरसा में करबाक चाहि । नागरिक रच्छार्थ सर्वोपरि हेबाक चाहि । एहि मांग पर कोनो तरहक राजनिति नहि हेबाक चाहि । सब कें मिल कें साथ देबाक चाहि । जय मैथिल जय मिथिला । मैथली जिन्दाबाद ।