दरभंगा, जुन २२, २०१५, मैथिली जिन्दाबाद!
मिथिला स्टुडेन्ट युनियन धीरे-धीरे जैड़ सँ जुड़ल कार्य शुरु केलक अछि। एहि क्रम मे दरभंगा समितिक गठन, विद्याभूषण राय डबलू केँ दरभंगा केर नेतृत्वक भार सौंपैत मात्र किछुए समयक भीतर मे कार्यकर्ता सम्मेलन केर आयोजन महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह महाविद्यालय केर सभागार मे काल्हि २१ जुन केँ संपन्न भेल। एहि कार्यक्रम मे मिथिलाक सुप्रसिद्ध कवि एवं विद्वान् डा. जयप्रकाश चौधरी जनक केर अध्यक्षता छल, ओतहि डा. अभेशचन्द्र झा केर प्रमुख आतिथ्य।
नाम अनुरूप काम करैत मिथिला स्टुडेन्ट युनियन विद्यार्थी सबकेँ एकजुट करबाक महत्त्वपूर्ण कार्य कय रहल अछि। विद्यार्थी लोकनि मे अनुभवक कमी होयबाक कारणे वरिष्ठ साहित्यकार, अभियानी, विद्वान् आ नेतृत्वकर्मी समाजसेवी लोकनि सँ विशेष अनुभवक पाठ सिखबाक आवश्यकता देखि एहि तरहक आयोजन कैल गेल। एहि मे किछु विशिष्ट वक्ता जेना मणिकान्त झा (आकाशवाणी दरभंगा), डा. अशोक झा, डा. रतन चौधरी, डा. बिपिन यादव, गंगा प्रसाद आदि सहभागी भेला। मिथिलाक विकास कोना हो आ एकरा उचित सम्मान कोना भेटत एहि विषय पर परिचर्चा गोष्ठीक आयोजन कैल जेबाक जानकारी भेटल अछि।
वक्ता लोकनि युवा जोश केँ मिथिला प्रति समर्पित देखि खूब प्रशंसाक संग आगामी रणनीति लेल कोन तरहें अभियान चलेबाक चाही ताहि पर युनियनक छात्र नेता व कार्यकर्ता केँ प्रेरक मार्गदर्शन देलनि। ओ सब भरपूर सहयोग देबाक प्रतिबद्धता सेहो प्रकट केलनि।
एहि सभा सँ युनियनक दरभंगा टीम केँ विस्तार करैत अंकित राय केँ बहेड़ी प्रखंड अध्यक्ष आ गोपाल चौधरी केँ दरभंगा जिला सचिव चुनल गेल। एक आनन्द झा केँ मार्केटिंग सलाहकार सेहो बनायल गेल अछि। मार्केटिंग स्ट्रेटेजी पर लेकिन युनियन द्वारा किछु स्पष्ट नहि कैल गेल अछि जे ई कोन प्रकारक मार्केटिंग करत।