ललन दरभंगावाला, विरार। जुन १६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
इतिहास रचायल विरार (मुंबई) मे – जीत गेली अपन सीट मैथिलानी पुतुल रविन्द्र झा – हरा देलनि शिवसेना सहित काँग्रेस, राष्ट्रवादी काँग्रेस व अन्य बड़का दल सबहक उम्मीदवार केँ!!
मैथिली जिन्दाबाद पर हालहि प्रकाशित समाचार जाहि द्वारा जानकारी कराओल गेल छल जे विरार महानगर पालिका केर चुनाव मे मैथिलानी पुतुल रविन्द्र झा केँ वार्ड २४ सँ एक प्रमुख पक्ष बहुजन विकास आघाडी द्वारा उम्मीदवारीक घोषणा सँ मिथिलाक लोक मे उत्साह छल। सबकेँ अपन क्षेत्रक उम्मीदवार केँ विजयी बनेबाक आह्वान करैत श्रीमती झा एकजुटताक अपील सेहो कएने छलीह।
विगत १४ जुन केँ संपन्न चुनावक परिणाम आइ घोषणा कय देल गेल अछि। पुतुल रविन्द्र झा अपन निकटतम प्रतिद्वंद्वी शिवसेना पक्षक उम्मीदवार केँ कुल १४२७ मतक विशाल अन्तर सँ पराजित करैत विजयी घोषित कैल गेली।
विदित हो जे एकमात्र पुतुल केर मत-संख्या चारि अंक मे प्रवेश पबैत कुल मत १९०९ तक पहुँचि गेल। शिवसेना केँ मात्र ४८२, राष्ट्रवादी काँग्रेस केँ ४६६, जनता दल २३, अपक्ष पटेल ८०, काँग्रेस ६१ आ नोटा ४१ मत अलग-अलग उम्मीदवार केर पक्ष मे गणना भेल।
जीतक श्रेय मैथिल मतदाताक ध्रुवीकरण
पुतुल केर पति रविन्द्र झा स्वयं एक समाजसेवक तथा राजनीतिकर्मीक रूप मे चीर-परिचित छथि। ओ मिथिलाक नाम केँ महाराष्ट्रमे सेहो काफी प्रचलित करैत रहला अछि। हुनका बहुजन विकास आघाडी पार्टीक विभाग अध्यक्ष केर रूप मे संगठन सम्हारबाक भार सेहो भेटल छन्हि। खास रूप सँ पहिल श्रेय हुनके जाइत छन्हि जे ओ एहि वार्डक मतदाताक नब्ज बुझैत छलाह। जीतक अन्तर ई प्रमाण प्रस्तुत करैत अछि जे चीर-परिचित दल सँ काफी ऊपर हिनका लोकनिक लोकप्रियता पुतुल केर जीत तय केलक। निश्चित रूप सँ मराठी मतदाताक उल्लेखनीय सहयोगक संग मैथिल मतदाताक ध्रुवीकरण पुतुल केर जीत सुनिश्चित केलक। विरार महानगरपालिकाक एहि वार्ड मे मैथिल मतदाताक संख्या सर्वाधिक होयबाक रेकर्ड सेहो हिनकर पक्ष मे गेलनि।
जीतलाक बाद मतदाताक संग शुभकामनादाता सबकेँ सेहो धन्यवाद ज्ञापन केली पुतुल
मैथिली जिन्दाबाद पर सेहो हिनकर चुनावक विषय मे समाचार प्रकाशन प्रति आभार प्रकट करैत मैथिली भाषा, मिथिला संस्कृति एवं मैथिल समाज प्रति सदैव सचेतनशील रहैत सेवा करबाक वचनबद्धता दोहरबैत विजेता पुतुल अपन समस्त मतदाता आ शुभकामनादाता केँ धन्यवाद देली। एहि अवसर पर ओ क्षेत्रक सेवा मे कोनो कोताही नहि राखबाक प्रतिबद्धता सेहो जनौली।




4 Comments
जीतल जहान केलक,मिथिलाक नाम । ढेर रास बधाई । जय हो ।
well done.putul RAVINDRA jha. Hardik subhkamna. maithili jindabad.
पुतुलजी के जीतक बधाइ संग आशा करैत छी जे ओ अपन जिम्मेदारीक निर्वहन पूर्ण मनोयोग एवं निष्ठा संग करतीह।
maithli jindabad bahut nik jaka aagu barhe se subhkamna.