किसलय कृष्ण, समाचार संपादक
नंगटे नहाबी त लाज कथी केर
सहरसा, जुन १०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद।
साँझुक समय वीर कुमर सिंह चौक पर बैसल छी। गरमागरम चाह, भांग लेल प्रसिद्ध ई चौक साँझक बाद ह्विस्कीक हिचकी पर जतेक हिलकोर लैत हो, मुदा एतय दिनक आनन्दे किछु आओर छैक । कारण चौक सँ सटले प्रमण्डलक सभसँ पैघ महिला कालेजक होयब थीक । अन्यथा नहि बुझब, हम ई कहैत रही जे भरि दिन शहर भरिक नवसिखुआ नेता, बेरोजगार युवक सभ चाहक चुस्की, राजनीतिक कनफुस्कीक संगे तरघुस्कीमे कालेज सँ अबैत जाइत रुपमती सभक आँचमे आँखि सेदैत रहैत अछि । मुदा ई चौकक नाम आब बदला रहल अछि….. भोर सँ साँझ धरि एतय विभिन्न हाउस सँ जुड़ल पत्रकार लोकनिकेर जमावड़ा सेहो रहैत अछि ।
ओह कोन गप्पमे भसिया गेलहु, हमरा त किछु आओरे कहबाक छल…..जे से ।
विधान परिषद केर चुनावक गहमागहमी केर बीच मचान पर बैसि सुरूजदेवक कोपसँ व्यथित छी। एमएलसीक एहि टटका इलेक्शन लेल महागठबन्हन सँ कोशी सीट लेल काँग्रेस पार्टीक सिलेक्शन सँ ककरो आब्जेक्शन नहि भेलै । साँझ मे अंदाज़बाजी आरम्भ भ गेल छल जे टिकस केकरा भेटेगा ? जतेक मुँह ततेक बात । हमहू कनियाके फोन पर घर विदा भ गेल रही । एखन भोरे चौक पर आबि गेल छी आ टटका खबरि सुनिकय पेट मे गुदगुदी लागि रहल अछि,मोन घुरिया रहल अछि ।
पहिल खेप राजद, दोसर खेप जदयुक टिकस पर एहि सीट सँ जीत दर्ज करय बला विधान पार्षद महोदय भिनसरे सभ लाजके कोठीक कान्ह पर राखि काँग्रेसक नाह पर सवार भ गेलाह अछि । टिकस लेल नंगटे नहेलाह माननीय। आर की कहू…..

3 Comments
Kislay ta apne nagta aie chorba kislaeya sa gapp howaa ta kahbai Kane je 9386092283par hamra sa baat karai as hamar rupaiya sa samman wapas ka deya nai ta lekhlahba keo nai mate detai. ………
वाह ! किसलय जी !! वाह !!!
बढ़िया व्यंग । साधुवाद।