मिथिला केँ दहेज सँ मुक्ति दियेबाक लेल हम-अहाँ कि करबैक?

दहेज मुक्त मिथिला द्वारा विभिन्न अभियान - लोकक बढैत सक्रियता नीक संकेत देखा रहल अछि

दहेज मुक्त मिथिला – जरूरी सवाल-जवाब

१. फेसबुक सँ दहेज मुक्त हेतैक मिथिला?
उ. फेसबुक पर हम-अहाँ हजारों के संख्या मे जुड़ल छियैक आर दहेज प्रथा सँ मुक्त स्वच्छन्द समाजक निर्माण लेल बेर-बेर सोचैत छियैक। कोनो परिवर्तन लेल पहिने सोच-विचार प्रक्रिया आरम्भ होयब जरूरी होइत छैक। एहि तरहें ‘दहेज मुक्त मिथिला’ नामहि सँ हमरा-अहाँ मे एकटा सोच स्वतः अबैत अछि जे कहीं हम गलत त नहि छी, कहीं हमरो मे सुधार करबाक आवश्यकता त नहि अछि… कि हमहुँ दहेज मुक्त बनि सकैत छी, आदि। ई सब सवाल जखन-जखन मोन मे आओत, अहाँक संकल्प शक्ति स्वस्फूर्त ढंग सँ मजबूत होइत जायत आर अहाँ स्वयं केँ तैयार कय लेब जे हमरा अपन जीवन मे दहेज प्रथा प्रति केहेन विचार रखबाक अछि। कहीं हमरो दहेज प्रथा सूट करत आ हम एकर प्रयोग कय केँ जेना-तेना अपन बेटी-बेटाक विवाह कराकय निमेरा करब या फेर हम एहि तरहक अस्वच्छ आ अपवित्र व्यवहार कदापि अपन बेटी-बेटाक विवाह मे नहि अपनायब, ई दुइये टा बात सम्भव हेतैक आर से दुनू ‘दहेज मुक्त मिथिला’ बनेबाक कार्य बखूबी करतैक। फेसबुक (सामाजिक संजाल) सँ यैह अधिकतम संभावना छैक। हमरा-अहाँक देखादेखी आरो लोक सब जुड़ता, संकल्प लेता, जागरुक बनता। ईहो बड पैघ क्रान्ति आनि रहलैक अछि से हम पिछला १० वर्ष सँ एकर गवाह छी।
२. ई अभियान जमीन पर कोना उतरत?
उ. जमीन पर उतारबाक लेल हमहीं-अहाँ तैयार हेबैक आ बस एक-एक टा कार्यसमिति अपन-अपन गाम मे बना देबैक – जेकरा हम बेर-बेर ‘निगरानी कमिटी’ कहैत आबि रहल छी, जाहि समिति मे गामक मुख्य लोक सब केँ ई अभिभारा देबनि जे कोनो विवाह मे दहेजक लेनदेनक लेखा-जोखा चुपचाप राखू, जे कियो दहेज मुक्त विवाह करैत अछि हुनका सब केँ सम्मानित करू, जे लेनदेन करैत अछि आ ओकर अपन स्वेच्छा छैक ओकरा अपने तरहें जिबय दियौक…. हँ यदि कियो अहाँ सभक पास शिकायत दर्ज लिखित मे करबैत अछि तखन अहाँ उचित सामाजिक मध्यस्थता करैत आगू कानूनी कार्रबाई तक मे सहयोग करियौक। कोनो विवादक समाधान सामाजिक स्तर पर आ फेर बाद कानूनी स्तर पर करबैक त एहि मिथिला केँ दहेज मुक्त होय मे कनिकबो समय नहि लगतैक। आ, एकर उन्टा समाजे सब मिलिकय यदि दहेज कतेक गानल जाय, बरियाती आ भोजभात कोन स्तरक हो, आडम्बर-झाड़फानूसी हरकत देखेबैक तखन त कियो माथे पीट लेत त एहि मिथिला केँ कियो नहि दहेज सँ मुक्त कय सकैत अछि। आइये जेकाँ सारा पूँजी बनियाक दोकान मे बहबैत रहू।
बस, यैह दुइ टा सवाल आ जवाब मुताबिक हम आइयो आह्वान करैत छी – हरेक जिला मे एकटा संयोजक आ किछु संरक्षक तथा अभिभावक एहि मे जुड़बाक आवश्यकता छैक। जे कियो स्वयं केँ एहि योग्य बुझैत होइ, कृपया अपन परिचय आ नम्बर कमेन्ट बौक्स मे दियौक।
हरिः हरः!!
Image may contain: wedding, text that says "जय जानकी COIMITANIE जय मिथिला DMM दहेज मुक्त मिथिला 1. बेटी केर बेटे जेंका उच्च शिक्षा दियौ! 2. गर्भ में पलैत भूण केर जाँच नहि कराउ! 3. भ्रूण हत्या महापाप संग घोर अपराध सेहो छै! 4. माँगरूपी दहेज केर विरोध करू! 5. बेटी रहतीह तखनहि पुतौह बनतीह! 6. दहेज मँगनिहार केर समाजिक रुपे बहिष्कार करू!"