सम-सामयिक राजनीतिक आ क्षेत्रीय सहयोग पर विचार
– राजन झा
बिम्सटेक आ भारत
हालहि प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केर शपथ ग्रहण समारोह मे बिम्सटेक देशक राष्ट्र प्रमुख सभ के बजाओल गेल रहय त आउ जानी किछ महत्वपूर्ण बात सभ बिम्सटेक केर बारे मे.
कहल जाइत अछि जे अगर अहाँ सुख आ शांति सँ रहय चाहैत छी त अपन पड़ोसी संगे बढिया संबंध बना क’ राखु. किछ दिन पहिने बिम्सटेक (Bay of Bengal Initiative for Multi-Sectoral Technical and Economic Co-operation – BIMSTEC) के चारिम शिखर सम्मेलन नेपालक राजधानी काठमांडू मे सम्पन्न भेल. अहि सम्मलेन में सदस्य देशक बीच बहुत रास जरुरी बात पर चरचा भेल आ ओहि पर सहमति बनल. बिम्सटेक देशक नेता सब बंगालक खाड़ी में सतत शांति, समृद्धि आ सतत बिकासक लेल सार्थक सहयोग आ एकजुटताक प्रतिबद्धता दोहरेलनि. संगहि बिम्सटेक केँ गतिशील, प्रभावी संगठन बनेबाक लेल जोर देलन्हि. सार्क आ ब्रिक्स सनक संगठन के वावजुद भारत लेल बिम्सटेक बहुत महत्वपूर्ण अछि.
बिम्सटेकक स्थापना 1997 में भेल रहय. अहि में भारतक अलावा नेपाल, भूटान, बांगलादेश, म्यानमार, श्रीलंका आ थाईलैंड शामिल अछि. दुनियाक 22 फीसद आबादी बिम्सटेक देश में रहैत अछि. संगहि बिम्सटेक देशक कुल जीडीपी 2.7 ट्रिलियन डालर अछि. बिम्सटेक देश आर्थिक आ राजनीतिक रूप सँ बहुत अहम अछि. बिम्सटेक दक्षिण एशिया आ दक्षिण पूर्व एशियाई देशक एकटा अंतरराष्ट्रीय आर्थिक सहयोग संगठन अछि जकर स्थापना 6 जुन 1997 केँ बैंकाक में भेल रहय. आर्थिक और तकनीकी सहयोग क लेल बनायल गेल ई संगठन मूल रूपसँ एकटा सहयोगात्मक संगठन अछि जे व्यापार, उर्जा, पर्यटन, मत्स्यपालन, परिवहन आ प्रौद्योगिकी केँ आधार बना क शुरु कयल गेल रहय मुदा बाद में अहि में कृषि, गरीबी, उन्मूलन, आतंकवाद, संस्कृति, जनसंपर्क, सार्वजनिक स्वास्थ्य आ पर्यावरण कँ भी शामिल कयल गेल.
भारत शुरू सँ ही अहि संगठन के आगू बढेबाक में सक्रिय भूमिका निमाहलक अछि. अहि संगठन सँ न खाली भारतक व्यापार केँ बढ़ावा मिलतय अपितु भारत आ म्यांमारक हाइवे प्रोजेक्ट भारतक पुर्व एशिया नीति केँ मजबूती प्रदान करत. सार्क में पाकिस्तानक नकारात्मक भुमिकाक कारण भारत एक्ट ईस्ट पालिसी के तहत बिम्सटेक केँ बहुत महत्व दैत अछि. बिम्सटेक देशक बीच मजबूत संबंध भारतक पुर्वोत्तर क्षेत्रक बिकासक गति द सकैत अछि. अहि सँ भारत – म्यांमार के बीच परिवहन परियोजना और भारत – म्यांमार -थाइलैंड राजमार्गक परियोजना केर विकास मे तेजी आओत. एक दोसर सँ जुड़ल साझा मूल्य, ईतिहास आ जीवनक तरीका के चलते बिम्सटेक शांति आ विकासक लेल एक समान स्थितिक प्रतिनिधित्व करैत अछि.
भारतक लेल बिम्सटेक ‘पड़ोसी पहिले आ पूर्व के तरफ देखु’ क हमर विदेशी नीतिक प्राथमिकताक पुरा करबाक लेल एकटा स्वाभाविक मंच अछि. क्षेत्रीय एकजुटता, सहयोग आ सामूहिक विकास केँ ल कए अहि में बहुत रास संभावना अछि. पाकिस्तानक गैर मौजूदगी बला ई संगठन दक्षिण एशियाक देशक बीच आपसी सहयोगक लेल सार्क सँ बेहतर आ पैघ बैकल्पिक मंच अछि.