पाकिस्तानक गरीबी कि सउदी अरब युवराज दूर कय सकता?
#CrownPrinceinPakistan – आइ ट्विटर पर हैश टैग मूवमेन्ट मे ट्रेन्ड करयवला गरमागरम खबैर अछि जे पाकिस्तान मे सउदी अरब केर युवराज मोहम्मद बिन सलमान आबि रहला अछि। आइ पूरा पाकिस्तान मे एकटा नव आशाक किरण जागल बुझा रहल य। मुसलमान एकता आ भाईचारा केर पैघ-पैघ नारा सँ ट्विटर पर टौप ट्रेन्ड कय रहल उपरोक्त हैश टैग पेज सँ समाचार पढल-बुझल जा रहल अछि। ताहि बीच एक #Theeconomist ट्विटर हैन्डल सँ एक गोट आलोचनात्मक पोस्ट आ कार्टून हमरो ध्यानाकर्षण कयलक। सोचलहुँ जे आइ कनेक एहि दिशा मे सेहो अपन लेखनी अपने सभक बीच मे राखी, कारण भारतक जम्मु-काश्मीर केर पुलवामा मे घटल वीभत्स सुसाइड बम्बर आतंकी डार द्वारा शहादत केँ प्राप्त दर्जनों भारतीय सेनाक परिवार एक दिश कानि रहल अछि, दोसर दिश काश्मीरी जनता सेहो धरतीक स्वर्ग समान काश्मीर मे सदिखन अशान्ति आ जीवन पर जोखिमक खतरा मोल लैत रहि रहल अछि।
काश्मीर केँ सेहो धर्मक नाम पर भारत सँ आजाद करबाक लेल संघर्ष आइ कय दशक सँ चलबाक बात सर्वविदिते अछि। एहि आजादीक संघर्ष केँ भारत द्वारा सिरे सँ खारिज करैत काश्मीर भारतक अभिन्न आ अकाट्य हिस्सा रहबाक बात कहैत अछि, जखन कि पड़ोसी मुल्क पाकिस्तान एहि मे अपन जुति जोतैत अछि आर कतेको रास प्रमाण अहु बातक भेट गेल जे पाकिस्तान अधिकृत काश्मीर व सम्पूर्ण पाकिस्तान सँ भारतक काश्मीर मे अलगाववादी आन्दोलन आ कथित आजादीक संघर्ष मे सहयोग कयल जाइत अछि। पाकिस्तान मे आतंकी घटनाक अंजाम धरि पहुँचेबाक कय गोट ट्रेनिंग कैम्प केर संचालन होइछ जतय युवा सब केँ ईस्लाम धर्म केर नाम पर तथा भारत सँ काश्मीर केँ आजाद करबाक संघर्षक नाम पर भारतक विरुद्ध जंग करबाक, आतंकी घटना घटेबाक – कतेको तरहक उपद्रव मचेबाक लेल आतंकवादी केँ सीमा पर जेना-तेना घुसपैठ करबैत रहैत अछि, एकर निरन्तर प्रतिकार करैत भारतीय सेना सीमा पर अपन जान गमबैत अछि, शहीद बनैत अछि। पाकिस्तान केर आर्थिक अवस्था चौपट भऽ गेलैक, लेकिन काश्मीर लेल आ धर्मक नाम पर आतंकी गतिविधि सँ ओ एखनहुँ बाज नहि आबि रहल अछि।
एहि हैश टैग पेज पर एक समृद्ध देशक युवराज केर अबाई सँ पाकिस्तानी अवाम मे कोन तरहक भरोसा जागि रहल छैक से एहि लाइन सब सँ स्पष्ट अछिः पीटीभी न्युज केर ट्विट स्वागत करैत लिखैत अछि – We welcome His Royal Highness, the Crown Prince of the Kingdom of Saudi Arabia, Muhammad Bin Salman to Pakistan. We hope this visit will usher in a new era of brotherhood, progress and development between our two brotherly Islamic Nations.
#CrownPrinceInPakistan – ओतहि कोनो-कोनो चैनल पर सउदी अरब केर युवराज केर व्यक्तिगत जीवन आ शैली आदि पर तरह-तरह केर चर्चा करबाक बात पर एक गोट खान (इमरान खान केर प्रोफाइल फोटो वला) लिखैत अछि – Stop criticizing KSA prince he is here for us for Pakistan! Pakistan need investment’s ..hold ur self’s for 2dayz for ur country🙏 #CrownPrinceinPakistan – तहिना पाकिस्तान सरकार द्वारा इमरान खान केर नेतृत्व मे वैदेशिक लगानीक मात्रा पाकिस्तान मे पूर्वक तुलना मे काफी बढबाक पिक्टोरियल ग्राफ मार्फत ट्विट करैत उपरोक्त हैश टैग संग-संग अन्य दुइ महत्वपूर्ण टैग सहित पोस्ट लिखैत अछि – Due to the right policies of the current government and trust in the leadership of Prime Minister Imran Khan, a conducive environment for investors is being created in Pakistan. #InvestInPakistan #CrownPrinceinPakistan #PakSaudiFriendship आर युवराज केर स्वागत मे प्रधानमंत्रीक निवास केँ रंगबाक-ढोढबाक काज सँ लैत भैर रस्ता मे बड़का-बड़का स्वागत-सत्कार वला पोस्टर टांगि आइ एना माहौल बनाओल गेल अछि जाहि सँ युवराज पक्का पाकिस्तानक डूबैत आर्थिक अवस्था मे कोनो चमत्कारिक बदलाव आनि देता। कहाँ दिना ३०० लक्जरियस कार केर काफिला युवराज केँ पाकिस्तानक राष्ट्रपति, प्रधानमंत्री आ विपक्षक नेता सभक संग भेटेबाक लेल बहाल कयल गेल अछि, ३ गोट फाइटर जेट प्लेन द्वारा युवराजक हवाई जहाज केँ एस्कर्टिंग कयल जेबाक अछि। बहुत रास बात! ई सब ओहि ठामक आर्थिक अवस्थाक दिनानुदिन बर्बाद भेल स्थिति सँ निबटबाक लेल ईस्लामिक राष्ट्र बीच मित्रता आ भाईचारा आदिक भव्य प्रदर्शन थिक।
ताहि बीच एहि लेख केर प्रेरणा विन्दु एक गोट अन्य आलोचनात्मक कार्टून देखय योग्य आ मनन करय योग्य अछि। ई कार्टून देखि एक इंसाफियन (वर्तमान सत्ताधारी दल) मुहम्मद कैसर लिखैत अछि – This is shameful as to be condemned, #Pakistan is not a beggar, but a nuclear & powerful country of the world; @TheEconomist should not publish such derogatory cartoons & articles! #CrownPrinceinPakistan – धर्मान्धताक पराकाष्ठा पर पहुँचल एक देश मे एहेन कय गोट कट्टरवादी विचारक भेटि जाइत अछि जे यथार्थ आत्मालोचना आ सत्यक प्रगतिवाद पर नहि टिकैछ। ओना पाकिस्तान मे सेहो अलग-अलग सोच-विचारक लोक भेटैत अछि, एक दिश किछु लोक एहि लेल बेहार अछि जे सउदी अरब द्वारा यमन पर कयल गेल अत्याचार लेल पाकिस्तानी प्रधानमंत्री इमरान खान युवराज केँ आइना सेहो देखबथि – Islam is all about simplicity and you’ve leadership of Muslim ummah. Do you think there is any need to invest billions just for meet greet & eat neglecting all the religious values. Hope Imran Khan will show them mirror regarding their brutality in Yamen. #CrownPrinceinPakistan – केकरो ईहो चिन्ता छैक जे सउदी अरब मे काज करयवला पाकिस्तानी श्रमिक-मजदूर केँ ओकरा सभ द्वारा जुर्मानाक रकम नहि चुका सकबाक कारण जेल राखल गेल छैक से रिलीज कराबथि युवराज आ ओकरा लोकनिक नियोक्ता सभ द्वारा रोक्का कयल ओकर मेहनताना-तनख्वाह वापस दियाबथि। Respected Mohammad Bin Salman, plz release thousands of Pakistanis who r in Saudi jails & can’t pay small fines, also release their months salaries/wages stopped by their Saudi Kafeels! Welcome #CrownPrinceinPakistan – ई सब एक हैश टैग मूवमेन्ट मे देखय-पढय लेल भेटैत अछि।
हरिः हरः!!