विराटनगर, २ नवम्बर २०१८। मैथिली जिन्दाबाद।

स्थानीय लर्ड बुद्धा कालेज केर सभागार मे आयोजित विमोचन समारोह मे वरिष्ठ समाजसेवी देवकिशन मुन्धड़ा, वरिष्ठ गायक रामा मंडल, मैथिली एवं नेपाली साहित्यकार शिव नारायण पन्डित ‘सिंगल’, नेपाली साहित्यकार मीन कुमार नवोदित, मैथिली मंच केर उद्घोषिका एवं रेडियो एंकर राधा मण्डल, गायक प्रबलदीप विश्वास, सुमीत खड्का, विष्णु राजवंशी सहित अनेकन विशिष्ट व्यक्तित्व केर उपस्थिति मे ‘यो दिल बाट’ गीति एल्बम केर वीडियो सेहो देखाओल गेल छल।
एहि विमोचन समारोह मे शुभकामना वक्तव्य दैत मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी बीरेन्द्र केर प्रतिभाक खुलिकय प्रशंसा करैत सृजनकर्म केँ राष्ट्रक सम्पत्ति कहैत विमोचित एल्बम केर समस्त कार्यदल केँ बधाई एवं शुभकामना प्रदान कयलनि। तहिना नेपाली साहित्यकार-कवि-संचारकर्मी मीन कुमार नवोदित अपन शुभकामना मन्तव्य मे कवि-गीतकार केर योगदान कहियो पुरान आ पूर्व नहि कहेबाक बात कहैत कलाकारिता मे अग्रसर बीरेन्द्र आ हुनकर कार्यदल सहित समस्त कलाकार समुदाय प्रति आभार व्यक्त करैत एहि एल्बम केर अपार सफलता लेल शुभकामना देलनि। शुभकामना मन्तव्य शिव नारायण पन्डित ‘सिंगल’, गायक रामा मंडल व अन्य विशिष्ट व्यक्तित्व लोकनि सेहो देलनि। समारोहक अध्यक्षता निर्देशक सुवास संकल्प कयलनि ओत्तहि संचालन विनोद श्रेष्ठ द्वारा कयल गेल।
प्रमुख अतिथि प्रदेश सांसद सह वरिष्ठ अधिवक्ता लीला वल्लभ अधिकारी विमोचन समारोह केर प्रमुख अतिथि बनेबाक लेल आयोजक प्रति आभार प्रकट करैत प्रदेश सरकार द्वारा आगामी समय मे कला तथा संस्कृति प्रति उदार भाव सँ सहयोगक वचनबद्धता प्रकट कयल गेल। संगहि ओ गीतकार-कलाकार बीरेन्द्र कुमार साह केर जन्मभूमि अमरदह समीप एहेन गाम मे भेल जतय घर सँ सटले नदी आ तेकर बाढिक डर सँ कोनो समय घर छोड़ि सुरक्षित स्थान पर जाय पड़ैछ आर तेहेन संघर्षपूर्ण स्थल मे एहेन लोकप्रिय आ कर्मठ कलाकार केर जन्म होयब ई सिद्ध करैत अछि जे कलाकार केर जन्म केहनो परिवेश मे भऽ सकैत अछि तेकरा बीरेन्द्र चरितार्थ कयलनि ओ कहलनि। कलाकारिता आ सृजनकर्म राष्ट्रीय सम्पदा थिक आर एहि मामिला मे नेपाल सेहो सम्पन्न राष्ट्र अछि ताहि हेतु प्रदेश सरकार केर ध्यान निश्चिते एहि क्षेत्रक सम्वर्धन हेतु होइत रहबाक जानकारी ओ देलनि।
विदित हो जे एहि गीत एल्बम मे निर्देशन सुवास संकल्प केर छन्हि, तहिना कलाकार ईशा परियार आ गीतकार स्वयं बीरेन्द्र कुमार साह छथि। ई वीडियो डी३ टीवी केर युट्युब चैनल सँ रिलीज कयल गेल अछि। सपना गिरी केर आवाज मे बीरेन्द्र कुमार साह केर ई गीतक बहुत प्रशंसा उपस्थित श्रोता-दर्शक द्वारा कयल गेल। एकर लिंक – https://youtu.be/STSrAMNFY1A