Search

पवित्र मास सावन केर सोमवारी पर विशेषः मंगरौनीक एकादश रुद्र केर शुभ दर्शन

मिहिर कुमार झा, मधुबनी। जुलाई १७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
 
श्रावण मास केर पूर्णिमाक हिसाब सँ आइ थिक दोसर सोमवारी..और संक्रांति हिसाब सँ पहिल सोमवारी केर अवसर पर आइ एक रोचक और सत्य शिव कथा प्रस्तुत कय रहल छी । एहि शुभ वेलाक समस्त शिवभक्त मे समुचित शुभकामनाक संग प्रस्तुत अछि निम्न शिव कथा।
 

मधुबनीक मंगरौनी मे विराजैत छथि एकादश रुद्र महादेव

मिथिलांचल मे कतेको प्रसिद्ध शिवालय छैक, जाहि मे मंगरौनी स्थित एकादश रूद्र शिव मंदिर केर अलगे महत्व छैक। एहि मंदिर मे एक्के गोट वेदी पर ११ गोट शिवलिंग स्थापित अछि। एहेन मान्यता छैक जे एकादश रूद्र केर पूजा-अराधना कएला सँ ग्यारह गुना फल केर प्राप्ति होएत छैक।
 
राजनगर प्रखंड केर मंगरौनी गाम मे एकादश रुद्र महादेव मंदिर अवस्थित अछि। वर्ष १९५३ मे प्रसिद्ध तांत्रिक मुनीश्वर झा द्वारा एहि मंदिरक स्थापना कयल गेल। एतुक एकादश स्वरूप कारी ग्रेनाइट सँ बनल शिव¨लिंग केर चमक दर्शक-आगन्तुक संग भक्त लोकनि केँ अपना दिशि काफी आकर्षित करैत छैक।
 

इतिहास

 
साधक-आराधक केर सर्व मनोकामना सिद्ध करनिहार एकादश रुद्र महादेव केर मंदिर मे पहुँचयवला भक्त लोकनि मे जिला, सूबा केर अलावा विदेशहु केर भक्त सब शामिल छथि। बाबा आत्माराम (बाबूबरही निवासी ) केर देखरेख मे कतेको दशक सँ एतय नियमित रूप सँ पूजा-अर्चना होएत आबि रहल अछि। सावन केर प्रत्येक सोमवारी पर एकादश रुद्र केर महाश्रृंगार अनुष्ठान मे बड़ पैघ संख्या मे भक्त समाज हिस्सा लैत छथि। कहल जाएछ जे एतय कांचीपीठ केर शंकराचार्य जयेन्द्र सरस्वती, जगरनाथ पीठाधीश्वर शंकराचार्य निश्चलानंद सरस्वती सेहो पहुंचि चुकला अछि।
 

कोना पहुंचब एतय

 
शिवरातिक बाद सावन मे एतय पूजा-अर्चना करबाक लेल एनिहार आस्थावान भक्त-आराधक लोकनिक भारी भीड़ जुटैत अछि। जिला मुख्यालय सँ करीब सात किलोमीटर केर दूरी पर अवस्थित एकादश रुद्र मंदिर जेबाक लेल जिला मुख्यालय सँ सड़क मार्ग मार्फत जा सकैत छी। मंदिर तक पहुंचबाक लेल रिक्शा, ऑटो केर सवारी उपलब्ध अछि। हालांकि एहि सड़क मार्ग देने बस सभक आवाजाही सेहो होएत छैक। राजनगर सहित आसपास केर गामक लोक एतय पैदल चलिकय पहुंचैत छथि।

Related Articles