राम नवमी आइ,राम आ जानकी जीक मन्दिरमे विशेष भीड

472

मनीष कर्ण,जनकपुरधाम।५ अप्रील२०१७,मैथिली जिन्दावाद!!

कौशिल्या नन्दन सीयावर रामचन्द्र जीक जन्मोत्सव जनकपुरधाम सहित सम्पूर्ण मिथिलांचलमे विशेष धुमधाम सँग मनाओल जाऽ रहल अछि।

राम नवमीक अवसर जनकपुरधामक प्रसिद्ध राम मन्दिर आ जानकी मन्दिरमें श्रद्दालु भक्तगन सभ भिन्सरे सं दर्शन,पूजापाठ क लेल विशेष भीडभाड देखल जाऽरहल अछि।

  राम नवमी उत्सवमे सहभागी होएब भारतक साधुसन्त,महात्मा करिब २०० के संख्या आएल जनकपुरक गुठी संस्थान जनोलक अछि।तहिना एक सप्ताह पुर्व सं राम जानकी मन्दिर विशेष रुप सं सजाओल गेल अछि।सँगहि सोहर आ बधैया केर गीतनाद मिथिलानी सभ द्वरा गाओल जाऽरहल अछि।