Search

मिनापक कमान प्रमेशक हातमे आएल

 

 मनीष कर्ण,जनकपुरधाम।१,अप्रिल २०१७.मैथिली जिन्दावाद!!
          मिथिला मैथिली नाट्यक्षेत्रमेँ कृयाशील जनकपुरधामक बहुप्रसिद्द सँस्था मिथिला नाट्यकला परिषद्क अध्यक्षीय कमान प्रमेश झाकेँ हातमे आएल अछि।
शनि दिन भेल मिनापक वार्षिक सधारणसभा स’ नेतृत्व परिवर्तन भेल।जाहिंमे सर्वसम्मति सँ प्रमेश झाकेँ अध्यक्षतामे तेरह सदस्यीय कार्यसमिति निमार्ण कएल गेल अछि।मिनापक उपाध्यक्ष पदमे संगीता देव,ललित कापर,महासचिवमे शैलैन्द्र मल्लिक,सचिवमें संदिप साह आ कोषाध्यक्ष पदमे अनितारानी मन्डलकेँ चयन कएल गेल अछि।अहि तरहें कार्यसमिति सदस्यसभमे गंगाकान्त झा,मुकेश झा,धीरज ठाकुर,नविन ठाकुर,मुकेश ठाकुर आ सन्नी राउत चयन भेला अछि।
         वि.सं.२०३६ सालमे संस्थापित मिनाप अध्यक्ष मदन ठाकुरक आ वरिष्ठ साहित्यकार डा.राजेन्द्र विमल केर प्रमुख आतिथ्यमें उद्घाटन सत्र सम्पन्न भेल छल।जाहिमें डा.राजेन्द्र विमल,डा.रेवतीरमण लाल,मिथिला राज्य संङ्घर्ष समितिक अध्यक्ष प्रा.परमेश्वर कापडि सामेल छलाह।
साहित्यकार रोशन जनकपुरी,नेपाल संगीत तथा नाट्यकला परिषदक प्राज्ञ रमेश रञ्जन झा, मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी,सामुदायिक रेडियो प्रसारक संघ प्रदेश नं २ केर अध्यक्ष एंव साहित्यकार,गीतकार अशोक दत्त,नेपाल पत्रकार महासंघक धनुषाक अध्यक्ष अनील मिश्र,मिनापक पूर्व अध्यक्ष सुनील मल्लिक,कलाकार सुनील मिश्र,सहित्यकार एंव पत्रकार श्यामसुन्दर शशि लगायक सहभागी व्यक्ता लोकैन मिनापक समिक्षात्मक टीपण्णी कएलाह।
सभामें महसचिव अनिलचन्द्र झा सांगठनिक प्रतिवेदन प्रस्तुत एंव कोषाध्यक्ष विष्णुकान्त मिश्र आर्थिक प्रतिवेदन करैत अनुमोदन करौने जनतब मिनापक पूर्व अध्यक्ष गायक सँगीतकार सुनील मल्लिक मल्लिक देलाह अछि।

 

Related Articles