शनि दिन आयल महाभूकम्पक परिणामस्वरूप सागरमाथा (माउन्ट एवरेस्ट) केर पर्वतारोही पर सेहो खतरनाक बर्फक बाढि (एवलान्च) सँ गूगल केर कार्यकारी निर्देशक डान फ्रिडिनबर्ग सहित करीब १९ जन विदेशी शैलानी, पर्वतारोही आ सहयोगी शेर्पा लोकनिक मृत्यु होयबाक दुखद समाचार भेटल अछि। डान फ्रिडिनबर्ग केर मृत्युक खबैड़ गूगल द्वारा सेहो पुष्टि कैल जा चुकल अछि। अन्य दर्जनों पर्वतारोही व फँसल लोक केँ हेलिकोप्टर द्वारा उद्धार करबाक प्रक्रिया आइ दिन भरि चलल। बेस एक तथा दुइ मिलाकय कुल २१० लोक पर्वतारोहण मे रहबाक जानकारी भेटल अछि। करीब ६१ जन घायल अवस्था मे नेपालक राजधानीक विभिन्न अस्पताल मे भर्ती करायल जा चुकल अछि। गूगल केर निर्देशक सहित कुल चारि जनकेर टोली आ किछु डक्युमेन्ट्री फिल्मकेर निर्माता सहित अन्य टोली सेहो मृतककेर सूची मे पड़बाक समाचार अछि।
नेपाल भूकंप: गूगल निर्देशक डान फ्रिडिनबर्ग सहित १९ केर मृत्यु
355 भ्यूज
- Category:
- Article ,
- Personality
Related Articles
पावैन तिहारक प्राणशक्ति छथि “मिथिलाक स्त्रीगण
Apr 27, 2015


3 Comments
शिव शम्भु कैलाशपति कें आँगन किएक उदास ? प्राकृतिक घटना कें वैग्यानिक कारण जे भी मानल जाए,मुदा दैविक कारण कें नजरअंदाज नहि कयल जा सकैत छियैक । जरुर औढर दानी शिव शंकर जी नाराज छथिन्ह । कश्मीर में बाढि,उतराखण्ड में तबाही आ एखन हिमालय छेत्र में ताण्डव । ई सब छेत्र बाबा कें गृह नगरी मानल जाएत अछि । इन्सान अपन नगरी कें त नर्क बनउनेये अछि,धीरे धीरे देवो स्थान सब कें नर्क बनबै सँ नहि चुकि रहल अछि । स्वभाविक अछि की कोप भाजन त बनहि ता पड़त । देवगण त, सदियों सँ दानव सँ लड़ैत रहल, पृथ्वी पर मानवक स्थापनक लेल, ऋषि मुनी आ भक्त कें रच्छाक लेल । मुदा दानव रुपी मानव,अपना कें भगवान बनबाक होड़ में लागल आछि । भोले बाबा स प्रार्थाना करैत छियैन्ह, हे प्रभु त्राहिमाम ! हर हर महादेव ।
भावना यथार्थ के अभिव्यक्ति अछि। धरती पर अपना के लोक भगवान घोषित कय अनाचार करैत अछि। ईश्वर नाराज किएक नहि हेता
भगवन लीला अपरंपार यैह सत्य छैक और सत्य स उपर किछु नै