Search

तीन गीत – शिव कुमार झा टिल्लू

304 भ्यूज

1 विवाह गीत (धुन कजरी )
शिव कुमार झा टिल्लू
************************************
वरक रूप देखि सभ बमबम छमछम सारि नाचै छथि ना
गितहारिन सभ मंद मुसकि क’ कोबर गाबै छथि ना …..
अपने सरहोजि आसन ओछौलनि
कनिया वर केँ संग बैसौलनि
गितहारिन लेल सासु विलक्षण विझणी बाँटै छथि ना ….
नवका दुलहा गुणक सरोवरि
धन सम्पति सभ सेहो बरोवरि
सखि सभ जखन बहुत उकसाबथि तखने बाजै छथि ना ….
कनेको टका नहि लागल कक्का
तखन किये छी हक्काबक्का
रुसबाकाल सेहो जमाय नहि किछुओ मांगै छथि ना……..
आइ चतुर्थी पावनि मनबियौ
सौंसे टोल केँ माँछ खुअबियौ
सुनिते ससुर ठहक्का मारि स्वीकार करै छथि ना …….
सभ बेटीकेँ भेंटै एहने वर
नहि मैथिली केँ भेटनि बनचर
ई कहि फुलकाकी फुलकी लेल आँटा सानै छथि ना……
*******************************************
2 शिव स्तुति
शिव कुमार झा टिल्लू
********************************
कोन विधि आहे शिव करी हम पूजा
स्तुति मंत्रक नहि ज्ञान
नहि आचमनि लेल पित्तरक अरघा
नहि पूजाक समान….
बाड़ीक भांगक झाड़ी चरि क’
बसहा केलक निष्प्राण
शीतक मारल कनैल फुलल नहि
आकक पात मलान …
फाटल पोथी मुसबा कतरल
कोना विद्यापति तान
लक्ष्मीनाथ गोसाँई कत’ छथि
कत’ गोविन्द रसखान ….
नरक निवारण कोना क’ हेतै
नहि घृत आ ने कपूर
सुरभि अलोपित वरन कत’ सँ
आँजुर भरल धथूर ……..
अंतिम आश धरै छी बाबा
अहीँ सँ औढरदानी
आन रूपक संग पितर केँ बनबू
दीनक लेल संज्ञानी …
**************************************
.3 बटगबनी (धुन झूमर )
शिव कुमार झा टिल्लू
***************************
चलू सखि सभ मिलि बुल’ बिजुबन
,खटगर टिकुला तोड़बै ना .
किछुए दिवस बचल नैहर मे
हिया सँ हिया कें जोड़बै ना……
माँतल वसंत जुआनी
बाप- पित्ती भेला खरिहानी
गाछ – वृछ अपने ओगरबै ना….
एक दोसर सँ बदलब चूड़ी
जूड़शीतलक दलिपूड़ी
अचारक संग कतरबै ना…
बाटकात पोदीनक पत्ता
बूट खसखस चतरल खत्ता
खोंटि आंचर मे धड़बै ना…………
जौं भेंटत छौड़ा बहसल
छोडेबनि आदति रहसल
सबहक गट्टा मचोड़बै ना..
आब ककरा सँ डरब सिनेही
बेटीधन आनक गेही !
श्रद्धासुमन सभ लोढ़बै ना…
********************************
साभार ,
शिव कुमार झा टिल्लू
ग्राम पोस्ट : करियन
जिला : समस्तीपुर ( बिहार )
पिन : ८४८११७
# ०९२०४०५८४०३

Tel: 09204058403

Related Articles