Search

मोरंग सँ मऊ धरि एक बनाउ – शिव कुमार झा टिल्लू

344 भ्यूज

मोरंग सँ मऊ धरि एक बनाउ
शिव कुमार झा टिल्लू
*************************
सुनू औ मीत
प्रीतिक संगीत
अपन संस्कृति केर अलख जगाउ
भुवन संग मधुप
सुमन सेहो भूप
आरसी दीपक -इजोत बढाउ
हमरे गज आ हमर नवीन
हमरे राज आ हमहीं दीन !!!
वियोगी -हासमी- अमर -प्रवीण
एक मैथिल टा जाति बनाउ…………
विहंगम वयना लाज बचौलनि
उषा साँझ मे किरण देखौलनि
भोगी तारा सोहर गौलनि
कर्पूरी विदेहक पूत कहौलनि
सगरो सलहेसक अनुराग
लक्ष्मीनाथ गोसाईं राग
करियन- महिषी सम संभाग
ललित बलिदान ने व्यर्थ गमाउ…………
वज्जि सेहो छथि देहक अंग
तंत्रक भ्रम सन्देश अनंग
विदेहक नहि करू आसन भंग
यौ- हौ – हो कें एक बनाउ…………………
सिया संग बहुरा हमरे बेटी
रेशमा आब ने लागथि घेंटी
सभ सम कर्मभाव केर पेटी
कवि कोकिल कें नहि भरमाउ………………
कीर्ति -शेफाली- इला -प्रवासी
सभ छथि मिथिला केर अधिवासी
हमर सिमरिया जेना छथि काशी
मोरंग सँ मऊ धरि एक बनाउ ………………
************************************

Tel: 09204058403

Related Articles