“दहेज मुक्त मिथिलाक दिल्ली मिलन समारोह”

169

— वंदना चौधरी।     

दिनांक 26 मार्च 2023 ,दहेजमुक्त मिथिला के मिलन आ वैवाहिक परिचय के आदान प्रदान के कार्यक्रम छल दिल्ली में।जे की मंजूषा झा बहिन के संयोजन में भेल।कार्यक्रम के संचालन काजल चौधरी बहिन केलन्हि,कवि गोष्ठी वला सत्र के संचालन सविता झा सोनी दिदी कएलन्हि।अरिपन प्रतियोगिता के संचालन रिंकू झा जी एवं बॉयोडाटा के संकलन आभा झा बहिन कएलन्हि।
प्रमुख़ अतिथि रूबी मिश्रा जी रहैथ। कार्यक्रम के प्रारंभ दीप प्रज्ज्वलन एवं गोसाउनिक गीत सँ भेल।कवि गोष्ठी में निवेदिता मिश्रा झा,सुधा ठाकुर, दीपा शेखर झा,शिव कुमार सिंह,अखिलेश कुमार मिश्र अपन अपन कविता सँ दर्शक के मोन मोही लेलखिन्ह।तबला और संगीत ,आलोक एवं शिवम के स्वर स गुंजित भेल।
स्थान एवं जलपान के खूब सुंदर व्यवस्था नरेंद्र मिश्रा भायजी एवं हुनकर परिवार द्वारा कएल गेलन्हि ।
कार्यक्रम के पूरा लाइव नूतन झा बहिन देखबैत रहली।
कार्यक्रम में करीब 100 गोटे के उपस्थिति रहैथ।मुख्य अतिथि में हमर माँ एवं भाय सेहो उपस्थित रहैथ ओतय।ललित कुमार मिश्र ,अंशु शंकर झा बहिन,हेमन्त झा जी ई सब सेहो कार्यकारिणी समिति में रहैथ।
और बहुत रास गणमान्य व्यक्ति लोकनि एहि आयोजन में उपस्थित भ’ कार्यक्रम के सफल बनओलन्हि।सभक नाम नहीं याद अछि ते क्षमाप्रार्थी छी ।
दहेजमुक्त विवाह करनिहार, सक्रिय सदस्य ,अरिपन प्रतियोगिता के विजेता लोकनि के एवं कलाकार लोकनि के सम्मान पत्र द’ सम्मानित सेहो कएल गेलन्हि।
सभगोटे के एक बेर पुनः आभार ।
जय मिथिला जय जानकी ।