
संस्कृत सहित मैथिली, असमिया, डोगरी, कोंकणी, भोजपुरी, मणिपुरी आ मिजो कें गूगल ट्रांसलेट टूल मे जोड़ल गेल अछि. एहि सं आन भाषा सब सं एहि भाषा सब मे मशीन अनुवाद आसान भेल अछि. गूगल दिस सं कहल गेल अछि जे एहि मे लगातार सुधार कएल जा रहल अछि.
आगामी समय मे गूगल असिस्टेंट, गूगल ट्रांसलेट सहित भाषा सेवा सब मे एकर उपयोग बढ़त. मैथिली भाषा मे सुविधा भेला सं ऑनलाइन मैथिली सामग्री सब बेसी उपलब्ध हेतै, एहन आशा कएल जा रहल अछि.
मैथिली एक्टिविस्ट रोशन चौधरी कहैत छथि —
“गूगल ट्रान्सलेट आब मैथिली मे सेहो उपलब्ध होएत. हमरा विश्वास अछि जे मैथिली वेब लेल ई क्रान्तिकारी डेग साबित होएत. अहि अनुवाद मे एकटा खराप गप सेहो छै जे शुद्धता-अशुद्धता कें धिआन मे नञि राखल गेल अछि. आगामी दिन मे आवश्यक सुधार सब जरूर हेतै!”
ओतहि गूगल केर घोषणा सं सोशल मीडिया सहित मैथिली भाषा-भाषी मे एकटा खुशीक लहरि देखल जा रहल अछि. बेसी सं बेसी लोक एहि सुविधा कें लाभ उठा मैथिली भाषा मे वेब पर कंटेंट जोड़थि. निश्चय उपयोग आ उपभोक्ता बढ़ने एहन सन सुविधा मे बढ़ोतरी होइत रहतै. ज्ञात हो जे विकिपीडिया, बाजा ऐप सहित कतेको इन्टरनेट सं जुड़ल ऐप आ वेबसाइट सब मैथिली मे कंटेंट कें बढ़ा रहल अछि.
स्रोत:-मिथि मीडिया