जनकपुरधाममें विवाहपञ्चमीक भेल तयारी सुरु

306
रामजानकी विवाह पञ्चमी

रामजानकी विवाह पञ्चमीमनीष कर्ण ,जनकपुरधाम।13 नवंबर,2021.मैथिली जिन्दाबाद!!

जनकपुरधाममें विवाहपञ्चमी महामहोत्सव केर भव्य बनयबाक लेल अहिवर्ष सेहो सात दिवसीय आयोजन कयल जयबाक भेल अछि ।

आगामी अगहन २२ गते श्रीसिताराम विवाहपञ्चमी महामहोत्सव लेल अखनहि सँ  तयारी सुरु भेल कहैत जानकी मन्दिरका महन्त रामतपेश्वर दास वैष्णवजी जानकारी देलैन्ह।

जनकपुरधाममें विवाहपञ्चमीक भेल तयारी सुरु एक सप्ताह धरि विभिन्न कार्यक्रम भेला कारण यैह वर्ष अगहन १७ गते सही विवाहपञ्चमी महामहोत्सव सुरु होयत महन्त दास बतोलैन्ह ।ओ यैहवर्ष विवाहपञ्चमीमें भारतलगायत अन्य मुलुक तथा आन्तरिक श्रद्धालु भक्तजनसभक उल्लेख्य भिडभाड भेला सँ अखनहि स’ व्यवस्थापनसहितक तयारी सुरु भ’गेल जनतब देलैन्ह ।        महन्थ दासक अनुसार गतवर्ष कोरोना महामारीक कारण विवाहपञ्चमी औपचारिकतामें मात्र सिमित भेलासँ यसवर्ष भव्यताक सँग मनएबाक उद्देश्य रहल बतोलथि। । अहिक लेल विभिन्न १९ टा समिति तथा उपसमितिसब गठन  कायल गेल अछि ।

जानकी मन्दिरमें शुक्रदिन भेल सर्वपक्षीय बैसारमें महन्त दास विवाह पञ्चमी महामहोत्सवक लेल शान्ति सुरक्षा व्यवस्थापन, प्रचार प्रसार, यातायात व्यवस्थापन, बजार व्यवस्थापन, रंगभुमी मैदानमें पण्डाल एवं गेट व्यवस्थापन, भारतक अयोध्यासँ आबबाला बाराती सभक स्वागत, श्रद्धालुभक्तजनक भिडभाडक व्यवस्थापन सहित बसोबासक व्यवस्थापन, विद्युत आपूर्तिलगायतक  समिति गठन भेल जानकारी देलैन्ह।             गन्दगी व्यवस्थापन आ शौचालय व्यवस्थापनमें जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका आ बृहत्तर जनकपुर क्षेत्र विकास परिषद् सेहो ध्यान नहि दैत आएल उपराग दैत महन्त दास सरोकारवाला निकायके गम्भिरताक साथ ध्यान देब आग्रह समेत केने छलाह । विवाहपञ्चमी महामहोत्सवके भव्य बनाब आवश्यक सहयोग क’देब लेल ओ स्थानीय सरकार आ प्रदेश सरकारसँग  आग्रह केने छलाह ।

एहिबेर अगहन १७ गते जनकपुरधाम नगर दर्शन, १८ गते फूलवारी लिला, १९ गते धनुष यज्ञ, २० गते तिलकोत्सव, २१ गते मटकोर, २२ गते शुभ–विवाह तहिना २३ गते रामकलेवाक कार्यक्रम रहल अछि।