Search

भावना कंठ केर सपना एहि तरहें पूरा भेलनि

– अंजू झा

हम जिनका बारे में लिखऽ जा रहल छी ओ भारत माँ के सेवा में तत्पर भारतीय वायुसेना में #फाइटर_प्लेन (लड़ाकू विमान)के पायलट भावना कंठ छथि। ई सोशल फीगर भले नै होइथ, लेकिन मिथिला समेत संपूर्ण भारत के अभिमान छथि। भावना कंठ इंडियन आयल में इंजीनियर दरभंगा जिलांतर्गत घनश्यामपूर प्रखंड के बाउर ग्राम के निवासी श्री तेजनारायण कंठ और श्रीमती राधा कंठ के ज्येष्ठ संतान छथि। भावना सं छोट एक भाइ और एक बहिन छथिन। भावना कंठ के जन्म 1 दिसंबर 1992 कऽ बरौनी (बेगुसराय) में भेलैन। हिनकर प्रारंभिक शिक्षा DAV स्कूल बरौनी सं भेलैन। पढ़ाई-लिखाई के संग बैडमिंटन वॉलीबॉल खेल में सेहो अव्वल छलीह। 10 वीं में 90% सं बेसी मार्क्स प्राप्त करैय लेल भावना कंठ केँ मेधा पुरस्कार सं सम्मानित कयल गेलैन। नेनपन सं पायलट बनैय के सपना छलैन, लेकिन सेना में महिला केँ पायलट बनैय के आदेश नहिं होमय के कारण ई बैंगलुरू में B.M.S. college of engineering सं मेडिकल इलेक्ट्रॉनिक्स स्ट्रीम सं अपन इंजीनियरिंग कंप्लीट केलैथ। लेकिन हिनकर नेनपन के सपना साकार भेलैन जखन भारत सरकार 2015 में महिला के सेना में पायलट बनै के आदेश जारी केलैन। भावना कंठ NDA के चयन प्रक्रिया में सफल भऽ भारतीय वायुसेना में चयनित भेलीह। हैदराबाद स्थित एयर क्राफ्ट एकेडमी सं अपन विमान उड़ाबै के प्रशिक्षण पूरा केलीह। जून 2016 में भारत के पहिल महिला फाइटर प्लेन के पायलट (दु टा और महिला पायलट संग) बनैय के गौरव भावना कंठ केँ भेटलैन।
अहि मिथिला के बेटी पर समूचा भारत गौरवान्वित भेल जखन 26 जनवरी 2021 के गणतंत्र दिवस के समारोह में भावना कंठ के एयर शो में आसमान में फाइटर प्लेन उड़ेबाक सम्मान भेटलैन। जकरा वो बखुबी निभेलीह। हुनका आसमान में उड़ैत देखि समस्त मैथिल समाज जमीन पर रहैत आसमान छुबैय के एहसास केला। जतय बेटी केँ बोझ मानल जाइया, ओकरा जन्म सं पहिले मारैय के कोशिश करैय छी, ओकरा बेटा सं कम आंकैय छी, ओतय भावना कंठ मिसाल छथि जे जाहि क्षेत्र में पूर्णरूपेण पुरुष केँ अधिपत्य छल ओतय ई मिथिला के बेटी अपन योग्यता के परचम लहरेली। भविष्य के लेल ढ़ेरों शुभकामना संग बधाई अपन सशक्त मिथिलानी केँ।

Related Articles