मैथिली ठाकुर मिथिलाक पहिल लोकगायिका छथि जिनका भेटल छन्हि ई अद्भुत ‘करार’

२५ जुलाई २०२१, मैथिली जिन्दाबाद!!

– आभा झा

अपन आवाज आर हुनर सँ पूरा देश- दुनिया में पहचान बना चुकल लोकगायिका मिथिला के आन-बान आर शान मैथिली ठाकुर सोशल मीडिया पर पिछला किछ समय सँ काफी चर्चा में छथि। शास्त्रीय संगीत, मिथिला आर अन्य लोकभाषा के जानल-मानल गायिका मैथिली ठाकुर देश के पहिल पंक्ति के शास्त्रीय गायक के टोली में शामिल भऽ गेल छथि।
आकाशवाणी मैथिली ठाकुर के संग एहेन अनुबंध केने अछि जकरा तहत मैथिली के द्वारा गायल शास्त्रीय संगीत के 99 वर्ष तक प्रसारित कयल जायत। ई एक कीर्तिमान अछि कि एतेक कम उम्र के कोनो गायिका सँ आकाशवाणी के दिस सँ आइ तक एहेन कोनो अनुबंध नहिं भेल छल।
मैथिली ठाकुर के जन्म 25 जुलाई 2000 कऽ बिहार के मधुबनी जिला में स्थित बेनीपट्टी में एक ब्राह्मण परिवार में भेलनि। हुनकर पिता पंडित रमेश ठाकुर, जे अपन क्षेत्र में लोकप्रिय संगीतकार छलाह, आर माता भारती ठाकुर, एक गृहिणी। हुनकर छोट भाइ केर नाम ऋषभ आर अयाची ठाकुर छन्हि, ओहो सब अपन पैघ बहिन के संगीत यात्रा केर अनुसरण करैत छथि, ऋषभ तबला बजा कऽ आ अयाची गायन में मैथिली केँ संग दैत छथिन।
मैथिली ठाकुर के बचपने सँ संगीत सँ लगाव छलनि। हिनकर बाबा सेहो धार्मिक छलखिन आर हुनको संगीत सँ लगाव छल। ओ अक्सर राम जी आर सीता जी के भजन गबैत छलखिन, हिनकर बाबा राम जी आर सीता जी के भक्त छलखिन ताहि दुवारे हिनकर बाबा हुनकर नाम मैथिली रखलखिन।
मैथिली ठाकुर अपन पिता सँ संगीत सीखने छथि। अपन बेटी के क्षमता के महसूस करैत आर बेसी अवसर प्राप्त करय लेल, रमेश ठाकुर अपने शास्त्रीय संगीत, हारमोनियम आर तबला में प्रशिक्षित केने छलखिन।
मैथिली ठाकुर के संगीत यात्रा 2011 में शुरू भेलनि जखन ओ ‘जी टीवी’ में लिटिल चैंप्स रियलिटी शो में देखाइ देलीह, हालाँकि ओ पहिने सेहो कतेक स्थानीय कार्यक्रम में देखाइ दैत छलीह। मुदा अहि रियलिटी शो के माध्यम सँ हुनका पहचान भेटलनि। चारि वर्ष बाद ओ एक रियलिटी शो, इंडियन आइडल जूनियर, जे सोनी टीवी में प्रसारित भेल छल ताहि मे भाग लेलीह। मुदा ओ रियलिटी शो ‘राइजिंग स्टार’ के माध्यम सँ एक सनसनी बनि गेली, जाहि में शो रनर अप के रूप में छलीह। शो के शुरूआती दौर सँ ही मैथिली ठाकुर केँ लोकक बीच बेसी लोकप्रियता छलनि। जे दिन प्रतिदिन बढ़ैत जा रहल छलनि।
मैथिली ठाकुर अपन छोट भाई ॠषभ आर अयाची के संग देखल जाइत छलीह। 2019 में मैथिली आर हुनकर दुनु भाइ केँ चुनाव आयोग द्वारा मधुबनी के ब्रांड एंबेसडर बनाओल गेलनि। 2017 में राइजिंग स्टार में आडिशन देली आर रनर अप चुनल गेली। एकर बाद ओ बहुत रास शो केलनि। हिनकर एकटा यू ट्यूब चैनल सेहो छैन मैथिली ठाकुर के नाम सँ अहाँ हिनकर लेटेस्ट वीडियो आर गाना के देख आर सुनि सकैत छी। कतेक एल्बम में सेहो काज केने छथि जेना रब्बा हिनकर प्रसिद्ध एल्बम अछि।