– किसलय कृष्ण, समाचार संपादक तथा मैथिली फिल्म विशेषज्ञ समाचार संप्रेषक, सहरसा। जुन १२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिलाक शिवहर जिलाक अम्बा कलांमे जन्म लेनिहारि श्वेता वर्मा संगमरमरी देहयष्टिक मालकिन त छथिहे, अभिनयक गुण हिनक रोम-रोममे समाहित छनि । भोजपुरी फिल्म सँ अपन कैरियर आरम्भ केनिहारि श्वेता एखन अपन मातृभाषीय सिनेमाक चर्चित नायिका बनि गेलीह अछि ।
मैथिली फिल्म ‘हिरो तोहर दीवाना’मे हेलिकॉप्टर पर उड़ियाइत एहि मैथिल ललनाकेँ देखैत युवा मैथिल मन सहजे सम्मोहित भऽ जाइत अछि । घोघ आ अनावश्यक लाज सँ आगाँक बाट पर चलैत श्वेता ‘हाफ मर्डर’क हॅाट सीन सभ मे जतबे उत्तेजक लगैत छथि, क्लासिक मैथिली सिनेमा ‘ललका पाग’मे ओतबे सहज, ठेठ आ चुलबुली।
अपन भाषा सँ अगाध सिनेह रखनिहारि ई अभिनेत्री पटकथा अनुरुप अंग प्रदर्शन केँ खराब नहि मानैत छथि । ओ कहैत छथि जे मैथिली सिनेमा सेहो अपन पहिचान स्थापित करत आ हम सभ एहि अभियान मे लागि गेल छी। ई एखन तीन गोट मैथिली फिल्मक शुटिंगमे व्यस्त छथि जे एहि साल रिलीज होयत।