मिथिलाक सुप्रसिद्ध पर्यटन स्थल: गिरिजास्थान, फूलहर, मधुबनी

जनकपुर सँ सटले मधुबनी जिलाक अत्यन्त प्रसिद्ध पर्यटन स्थल – गिरिजास्थान, एतय जानकी जी नित्य फूल लोढय आ गौरी पूजा हेतु संगी-सहेलीक संग अबैत छलीह। कहल जाइछ जे एतहि जानकी केँ शश्य-श्यामल-पुरुषोत्तम राम संग पहिल बेर नजरि मिलल छलनि। शास्त्र-पुराण आ कतेको कथा आदि द्वारा एहि दृश्यक सुन्दर वर्णन कैल गेल अछि। एहि स्थान पर आइयो सुमनोरम दृश्य आ साक्षात् जानकी एवं राम अपन किशोरावस्था सँ युवावस्था मे प्रवेश करैत ओहिना प्रेम भरल नयन मिलबैत बुझाइत छथि। आउ दर्शन करी एहि सुन्दर स्थलक आ अपन जीवन केँ सफल बनाबी।

फोटो साभार: विनोद कुमार पाठक

[metaslider id=381]

girijasthan3

girijasthan4girijasthan5girijasthan6girijasthan7 girijasthan8girijasthan9

girijasthan1girijasthan2