अम्बिका चौधरी, विराटनगर। १५ अक्टूबर, २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!!
आदित्य नारायण, श्वेता अग्रवाल के संग विवाह के बंधन में जुड़ई स पहिने दिवालिया भ गेला, हुनकर ई दावा छैन जे हुनकर खाता में आब मात्र १८ हजार रूपिया बचल छैन।
अहि साल के अंत तक लंबा समय स चैल रहल सम्बन्ध प्रेमिका श्वेता अग्रवाल के संगे अपन विवाह के घोषणा करबाक किछ दिन बादे, इंडियन आइडल के होस्ट और गायक आदित्य नारायण ई खुलासा केलाइथ ह जे ओ एखन आर्थिक रूप स दिवालिया भ गेल छैथ अथवा अशक्तता के संग समय के सामना क रहल छैथ। अभिनेता नारायण कहैत छैथ जे कोरोना महामारी के कारण ओ एक साल स कोनो तरह के काज नै कैर पाइब रहल छैथ आ आब हुनकर बैंक के खाता में केवल १८ हजार रूपिया बचल छैन। महान गायक उदित नारायण झा के बेटा आदित्य के छोट पर्दा पर बहुत रास शो में देखल गेल अछि। लॉकडौन स पहिने, ओ सिंगिंग रिएलिटी शो इंडियन आइडल के होस्टिंग करबाक संग- संगे हर्ष लिम्बचिया और भारती सिंह में खतरा खतरा खतरा नामक शो के हिस्सा सेहो रहल छेलाह। आदित्य एडवेंचर बेस्ड रिएलिटी शो खतरों के खिलाड़ी के हिस्सा सेहो रहल छैथ, जेकर होस्टिंग प्रख्यात फ़िल्म निर्माता रोहित सेट्ठी केने छेलाक।
बॉलीवुड बबल स बात करबाक क्रम में, आदित्य नारायण कहला, “अगर सरकार लॉकडौन के आगू सेहो बढ़बैत अछि, त जनता के भुखमरी स जान जाइ के संभावना बैढ सकैत अछि। हमर पूरा बचत कम भ गेल अछि। हम अपन सबटा बचत, खर्च कैर चुकल छि। अपन जीविका चलबैक लेल अपना द्वारा म्यूचअल फन्ड में निवेश कएल गेल सब रकम वापस लेबाक लेल हम मजबूर भ गेलौ। कियाकि कियो ई योजना नई बनेने रहैथ जे हम एक साल तक कोनो तरह के काज नई करबाक बावजूद सेहो एना बेपरवाह जेका खर्च करैत जिंदगी में रमैत देखेब। ओना कियो भी एहेन तरह के योजना नई बनबैत अछि जाबे तक ओ अरबपति नहीं रहैथ”। संग संगे ओ इहो कहला जे ” अहि दुआरे कोनो विकल्प सेहो नहीं अछि। जहि हिसाब स एखन हमर खाता में १८ हजार रूपिया बाकी अछि, ओना में अगर हम अक्टूबर तक काज शुरू नई केलौ त हमरा लग किछ बाकी नई रहत। हमरा अपन बाइक या कोनो और सम्पति बेचबाक लेल मजबूर हेब पडत। वास्तव में बड़ कठिन भ गेल अछि। दिन के अंत मे, अहाँके किछ कठोर फ़ोन कॉल्स लेबइये टा पड़त। जहन अहाँ एहन कठोर कॉल सबके प्राप्त करैत छी, त किछ लोग अहाँके ई पक्के कहता जे अहाँके निर्णय बहुत गलत अछि।”
किछ दिन पहिने, आदित्य नारायण प्रेमिका श्वेता के संग अपन विवाह के योजना के बारेमे स्वीकार केने छेलाह। दुनु गोटे अपन फ़िल्म शापित के सेट पर भेट केने छेलैथ और पिछला १० साल स डेट कैर रहल छेलैथ। विवाह के बारे में पूछल गेला पर, गायक ई पुष्टि केलैथ जे ओ अहि साल के अंत तक विवाह कैर लेता। आदित्य कहलैथ जे ” हम श्वेता स शापित के सेट पर भेट केने छेलौ और हम सब एकरा बहुत कम समय में हिट कैर देने रही। शुरुआती दौर में श्वेता हमरा मात्र एक दोस्त के रूप में स्वीकार केने छेलैथ कियाकि हम सब तेखन बड़ छोट छेलौ और तेखन कैरियर पर ध्यान देनाइ सेहो अति आवश्यक छल। हम सब अहि १० साल में विभिन्न प्रकार के उतार चढ़ाव के सामना करैत आइब रहल छेलौ। लेकिन विवाह हमरा दुनु के बीच केवल एक औपचारिकता अछि, जे हम आशा करैत छी जे अहि सालक अंत तक पूरा भ जायत। हमर अभिभावक जन सब सेहो श्वेता के चिनहैत छैथ और ओ सब हमर ई निर्णय के ल क बहुत प्रसन्न छैथ।”