स्पाइसजेट दरभंगा स दिल्ली, मुम्बई, बेंगलुरु तक दैनिक उड़ान सेवा शुरू कर लेल जा रहल अछि।

460

नई दिल्ली : बजेट क्यारियर स्पाइसजेट दरभंगा स दिल्ली, मुंबई, और बेंगलुरू स जोड़इ वाला दैनिक उड़ान सेवा के बारेमे घोषणा क देने अछि। दरभंगा, स्पाइसजेट द्वारा उड़ान २ अंतर्गत चुनल गेल छल और विमानन मंत्रालय के क्षेत्रीय कनेक्टिविटी योजना के तहत एयरलाइन के तेरहम गंतव्य और एयरलाइन के घरेलू नेटवर्क पर पचपनवां गंतव्य मे चिन्हित कएल गेल अछि। स्पाइसजेट ८ नवंबर, २०२० स दिल्ली-दरभंगा, बेंगलुरु-दरभंगा सेक्टर सब पर दैनिक रूप में सीधा उड़ान संचालित करत। स्पाइसजेट अहि क्षेत्र सब में उड़ान सेवा संचालन करई के क्रम में पहिल और एकमात्र एयरलाइन के रूप में चिन्हल गेल अछि। स्पाइसजेट ई मार्ग सभक हेतु अपन बोईंग ७३७-८०० के तैनात करबाक प्रतिक्रिया में लैग गेल अछि। एयरलाइन एक-समावेशी परिचयात्मक एक तरफा प्रवर्धन भाड़ा प्रदान कए रहल अछि जे सब मार्ग के लेल रु ३७९९ स शुरू होयत।

दरभंगा बिहार के पांचम सब स पैघ शहर और मिथिलांचल के हृदय के रूप में मानल जाइत अछि । एयरपोर्ट मिथिला क्षेत्रक विभिन्न जिल्ला सब जेना मुझफ्फरपुर, मधुबनी, समस्तीपुर, सीतामढ़ी, चंपारण, सहरसा, पूर्णिया सहित नेपालक मिथिला क्षेत्र जनकपुर, बिराटनगर, सप्तरी, महोत्तरी आदि में सेवा प्रदान करत या कैह सकैत छि जे लाभदायक प्रमाणित होयत।

यदि याद कएल जाय त अपना सब ई देख सकैत छि जे नागरिक उड्डयन मंत्रालय क्षेत्रीय उड़ान कनेक्टिविटी के प्रोत्साहित करबाक लेल या हवाई यात्रा के किफायती बनेबाक लेल अक्टूबर १०, २०१६ में क्षेत्रीय उड़ान योजना शुरू केने छल। तेखन स बिडिंग के तीन चरण पूरा भ चुकल अछि। पहिल आरसीएस- उड़ान प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी अप्रिल २७ २०१७ क शिमला में शुरू केने छलाह।