Search

संसार केर सर्वोच्च शिखर माउंट एवरेस्ट आ दरभंगा महाराज

231 भ्यूज

ऐतिहासिक महत्व केर जानकारी

स्रोत: रवि जंग कार्की, काठमांडू, नेपाल

संसार केर सर्वोच्च शिखर सागरमाथा जेकर विश्व परिवेश में माउन्ट एवरेस्ट नाम प्रसिद्ध छैक, जाहि पर सर्वप्रथम जे पर्वतारोही दल पहुँचल छल, ताहि दल केँ दरभंगा महाराजाधिराज सर कामेश्वर सिंह प्रायोजित कयने छलाह।

नेपाल केर राणा शासक आ ब्रिटिश भारत काल केर अध्येता रवि जंग कार्की ट्विटर पर ओहि समयक पर्वतारोही दल केर फोटो साझा करैत ई सूचना देने छथि। हुनकर ट्वीट अनुसार –

३ अप्रैल १९३३ केँ #ब्रिटिश_भारत आर आरोहण दल केर अधिकारी लोकनि सगरमाथाक पहिल तस्वीर खिंचलनि जेकरा सँ सगरमाथा पर चढ़बाक रास्ता सम्बन्ध में पता लागल।  ई सम्पूर्ण अभियान दरभंगाक महाराजा सर कामेश्वर सिंह द्वारा प्रायोजित कयल गेल छल। प्राप्त तस्वीर सँ पर्वतारोही सर एडमण्ड हिलारी आ तेन्जिङ नोर्गे केँ शिखर पर पहुँचय में मदति भेटल।  https://t.co/Rqch0XBjfY

श्री कार्की सँ उपलब्ध तस्वीर बियर्डेड कॉलोनेल केर संकलन सँ प्राप्त भेलनि अछि।

Related Articles