समीना के जन्मदिन पर प्रवीण शुभकामना
उच्च शिक्षित आ समस्त विवेक सँ परिपूर्ण समीना बहिनक आइ जन्मदिन छी, एहि अवसर पर एक जेठ भाइ केर आशीर्वाद संग अनेकानेक शुभकामना। अपन जीवन मे जाहि ऊर्जा आ सकारात्मक सोच संग हर कार्य केँ करैत आयल अछि ताहि सँ आर नीक जेकाँ ओ आगुओ अपन सारा कर्तव्य पालन करत, आब त ओकरा एक माय केर भूमिका सेहो निभेबाक भार वहन करय पड़ि रहल छैक से अपन माय केर सब कर्तव्यनिष्ठ भूमिका अक्षरशः पालन करैत हुनकहु सँ बेसी विकसित आ वैज्ञानिक भूमिका निभायत सेहो शुभकामना।
हमरा दृष्टि में हिन्दू आ मुसलमान अलग धर्म रहितो मानवता केर प्रमुख धर्म सर्वप्रथम होइत छैक। अफसोस, ई तहजीब धर्मक नाम पर भारत केँ एक गहींर घाव (देशक विभाजन) कय केँ ब्रिटिश साम्राज्य व तत्कालीन सियासतदान बर्बाद कय देलकैक। तथापि जे शिक्षित समाज अछि ओ अपन हिन्दुत्व या इस्लामीत्व केँ व्यक्तिगत बुझि प्रथम मानवता धर्म केँ मानैत अछि। कन्फ्यूजन त बहुत छैक, तथापि कतेको परिवार भाईचारा केँ जिबैत अछि। समीना बहिन हमरा भाइ के रूप में स्वीकार कयलक, समाजक कुरीति विरूद्ध रहल, अशिक्षा आ पिछड़ापन केँ दूर भगेबाक लेल यथासंभव भूमिका निभेलक, ओकरा जीवन मे सदिखन सफलता भेटय हमर यैह चाहत अछि।
शिवहर सँ अछि, मैथिली लिखय बाजय में धखैत अछि। लेकिन प्रयास करैत अछि। जेहेन बाजत, तेहेन लिखत, बाकी भाषा संरचना केर ज्ञान हिन्दी मे छहिये, वैह मैथिली में सेहो लागू होइत छैक। मातृभाषा केर सेवा सँ प्रतिष्ठा उच्च होइत छैक। से सब बुझय। बाकी परोपकार केर काज में हमेशा लीन रहय। बस।
पुनः शुभकामना!😊
हरि हर!!