श्रद्धाञ्जलि सन्देश: सिंचाई विभाग नेपाल केर महान इंजीनियर आर के ठाकुर केँ
– कौशल किशोर झा
One of the great pillar and patriarch of irrigation fraternity octogenerian Er. R.K Thakur breathed his last two three days ago. He was instrumental in planning, design and construction of Kamala irrigation system . Thakur saheb as he was popularily known was one of the main architect responsible for development of the modern irrigation infrastructure in Nepal. He was a wonderful engineer and an administrator of very high quality. With his death we have lost our one of the gifted engineer cum guardian. We wish his departed soul an eternal peace and abode at Vaikunth dham.🙏🙏
नेपाल सिंचाई विभाग केर एक महान स्तंभ और पितृतुल्य इंजीनियर आर के ठाकुर जीक यैह दुइ-तीन दिन पहिने स्वर्गवासी होयबाक दुखद समाचार भेटल। ओ कमला सिंचाई प्रणाली केर योजना, डिजाइन और निर्माण मे सहायक छलाह। ‘ठाकुर साहेब’ के रूप मे बेस लोकप्रिय आ सुपरिचित ओ नेपाल मे आधुनिक सिंचाई केर बुनियादी ढांचाक विकास लेल एक जिम्मेदार मुख्य वास्तुकार व्यक्तित्व रहथि। ओ एक अद्भुत इंजीनियर और बहुत उच्च गुणवत्ता केर प्रशासक रहथि। हुनकर मृत्यु केर संग हम सब अपन एक गिफ्टेड इंजीनियर सह अभिभावक सँ बिछुड़ि गेलहुँ अछि। हम हुनकर दिवंगत आत्माक शांति और वैकुंठ धाम मे निवास केर कामना करैत छी।
हालांकि हम स्वर्गीय ठाकुर साहेब सङ प्रत्यक्ष रुप सँ काज नहि कएने छी, कारण हम सब जखन सेवा मे प्रवेश कयलहु तखन ओ सिंचाई विभागक उप महानिर्देशक छलाह। हमरा जे मोटामोटी जानकारी अछि : घर सिरहाक लदनियाक आस्पास छलन्हि। मध्यम किसान परिवार सँ रहितो एक अत्यन्त मेधावी आ लगभग ५० वर्ष पुर्व सिंचाई विभाग मे इंजीनियर केर रुपमे नियुक्त (१९६०-६१ ईस्वी केर आसपास), पहिल बृहत सिंचाई योजना जे नेपाली इंजीनियर द्वारा नेपालक अपनहि श्रोत-साधन द्वारा बनाओल गेल तेकर प्राविधिक नेतृत्व ठाकुर साहेब कयलनि। योजना छल कमला सिंचाई आयोजना जे सिरहा आ धनुषा केर १२५०० – १२५०० हेक्टर ( जम्मा २५००० हेक्टर, ३७५०० बिघा) भूमि मे विगत ३५-३७ वर्ष सँ सिंचाई सेवा उपलब्ध करा रहल अछि।
नारायणी सिंचाई योजनाक आधुनिकीकरण आ कमान्ड एरिया विकास सेहो हिनकहि नेतृत्व मे भेल। तहिना सुन्सरी मोरङ सिंचाई योजनाक योजना प्रमुख भय योजना केँ आधुनिकीकरण आ कमान्ड क्षेत्र विकासक कार्य सेहो यैह शुरू करौलनि। बागमती सिंचाई योजना केर सूत्रपात नेपाल सरकार द्वारा हिनके लोकनिक पहल आ निर्देशन पर आरम्भ भेल। ओ एक कुशल इंजीनियर केर संगे बहुत काबिल प्रशाशक (प्रशासन आ लेखा केर गहिरगर ज्ञान रखनिहार) व्यक्तित्व सेहो छलाह। एक्जीक्युटिव इंजीनियर धरि हिनकर सोझाँ मे अबैत झिझकैत छल। अद्भुत प्रतिभा सँ सम्पन्न व्यक्तित्व – कहि सकैत छी जे मिथिलाक अनमोल धरोहर मे सँ एक रहथि। हम मैथिली भाषाभाषी समुदाय केर एकटा महान शान स्वरूप व्यक्तित्व छलाह श्री ठाकुर। हिनकर समकालीन किछुए इंजीनियर जिनका सभ केँ सत्ता-संचालनकर्ताक ऊपरी तह सँ सम्बन्ध छलैक से सब २-३ गोटे बीसौं वर्ष महानिर्देशक पद छेक देलकनि, मुदा ठाकुर जी हुनकहु सब सँ सदिखन सम्मानित होइत छलाह। हिनकर जेठ सार गुणानन्द ठाकुर सेहो सिंचाई विभागक दिग्गज रहथि, मुदा ओहो महानिर्देशक नहि बनायल जा सकलाह। हिनकर साढू वासुदेव झा सेहो इंजीनियरिंग क्षेत्रक ओतबे पैघ दिग्गज भेलाह जे सड़क विभाग मे योगदान देलनि ओहो हिनकहि समकालीन छलखिन।