मिथिला भारतीक किछु अंक आ ताहि मे समेटल गेल महत्वपूर्ण विषय पर आलेख

२३ जुलाई २०२०, मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली-मिथिलाक नीक दस्तावेजीकरणक कार्य करयवला एक प्रसिद्ध पत्रिका ‘मिथिला भारती’ जे १९६९ ई. मे प्रथम बेर प्रकाशित भेल छल, तेकर आरो-आरो अंक मे कोन विषय पर किनकर लेख समेटल गेल अछि, से जानकारी ईसमाद प्रकाशन केर फेसबुक पेज सँ प्राप्त भेल अछि। संभवतः ई विषय-सूची सँ बहुतो जिज्ञासू केँ ई जानकारी भेटतनि जे मिथिला भारतीक कोन अंक पढला सँ हुनकर जिज्ञासा शान्त हेतनि। विदित हो जे पूर्व मे कुल ५ वर्ष प्रकाशित होयबाक बात कहल गेल अछि, त्रैमासिक शोध पत्रिकाक रूप मे एकमात्र वार्षिकांक अन्तर्गत ४ भाग केँ समेटिकय प्रकाशन भेल संभवतः। १९६९, १९७०, १९७२ एवं १९७७ केर विषय-सन्दर्भक सूची एतय प्राप्त भेल अछि। बाद मे पुनः २०१४ सँ मैथिली साहित्य संस्थान, पटना द्वारा एकर पुनर्प्रकाशन आरम्भ भेल जे २०१९ धरिक कुल ६ अंक केर प्रकाशन भेल अछि, एहि सब मे सेहो काफी महत्वपूर्ण विषय-सामग्री पर एक सँ बढिकय एक वेत्ता-विद्वान् लोकनिक लेख-शोध आदि समेटल गेल अछि। (निम्न भाग मे सीधे उतारल गेल पोस्ट अछि, एहि मे कोनो तरहक संपादन आदि नहि कयल गेल अछि।)

मिथिला भारतीक पूर्व प्रकाशित
आलेखक सूची

मिथिला भारती अंक 1, मार्च-जून, 1969 भाग 1-2

विषय-सूची
1.वैदिक राष्ट्र गीत
2.सम्पादकीय
3.इतिहासक अन्वेषण, श्री लक्ष्मीपति सिंह
4.मैथिल ब्राह्मणक प×जी-व्यवस्था, श्री रमानाथ झा
5.अठारहम शताब्दीक दुइ गोट अपूर्व निर्णय-पत्र, श्री सुशील कुमार झा
6.उनैसम शताब्दीक मिथिलामे कन्यादानक समस्या, डा. जटाशंकर झा
7.चित्रपति उपाध्याय तथा इस्ट इंडिया कम्पनी कालक न्याय व्यवस्था, डा. जगदीश चन्द्र झा
8.मिथिलाक्षरक उद्भव ओ विकास, श्री राजेश्वर झा
9.विद्यापतिकालीन मिथिलामे कृषि, डा. इन्द्रकान्त झा
10.भनइ विद्यापतीत्यादि, डा. शैलेन्द्रमोहन झा
11.सहरसा सँ पटना संग्रहालय कें प्राप्त चारि गोट दुर्लभ प्राचीन मूर्ति, डा. चित्तरंजन प्रसाद सिन्हा
12.गंगाक दक्षिण मैथिल क्षेत्र, डा. अभय कान्त चौधरी
13.मिथिलामे वृक्ष-पूजा, प्रो. हेतुकर झा
14.मिथिलामे सीकीक उपादानक परम्परा, श्री दयाशंकर उपाध्याय

मिथिला भारती अंक 2, जनवरी-दिसम्बर, 1970 भाग 1-4

विषय-सूची
1.कुमार गंगानन्द सिंहः कृतित्व और व्यक्तित्व, श्री विनोदानन्द झा
2.बनैली-राजवंशक संक्षिप्त इतिहास, श्री कमल नारायण झा कमलेश
3.हमर कुमार साहेब, श्री रमानाथ झा
4.स्वर्गीय कुमार गंगानन्द सिंह, श्री कमल नारायण झा कमलेश
5.एकटा साँझ आ कुमार साहेबक स्मृति, श्री हंसराज
6.यंत्रमयी मिथिला, श्री लक्ष्मीपति सिंह
7.मिथिलाक्षरक उद्भव ओ विकास, श्री राजेश्वर झा
8.प्राचीन भारतीय इतिहासमे काल-निर्धारणक समस्या, प्रो. राधाकृष्ण चौधरी
9.मैथिल ब्राह्मणक पंजी-व्यवस्था, श्री रमानाथ झा
10.मिथिलाक पथ-पद्धति एवं अन्तर्देशीय व्यापार, श्री जय नारायण ठाकुर
11. मिथिला-क्षेत्र सँ प्राप्त गणेशक प्रतिमा, श्री चित्तरंजन प्रसाद सिन्हा
12.परमहंस विष्णुपुरी ओ हुनक शिवगीत, डा. रामदेव झा
13.बैजलदेव, डा. शैलेन्द्र मोहन झा
14.प्राचीन भारतीय साहित्यक कथा परम्परा एवं मैथिली साहित्य, डा. अमरेश पाठक
15.मुगलकालीन मिथिलामे ओइनवार राजवंश, प्रो. हेतुकर झा
16.मिथिला×चलमे क्रान्तिकारी राष्ट्रवादक प्रारम्भ, डा. जटाशंकर झा
17.मध्यकालीन मिथिलाक ऐतिहासिक महत्त्व, श्री भगवानजी चौधरी
18.पुस्तक समीक्षा
दृष्टान्त चित्र
1.अशोकवाटिका में वैदेही
2.स्व. कुमार गंगानन्द सिंह
3.अन्धराठाढी अभिलेख
4.विष्णुपुराणक पाण्डुलिपिमे मिथिलाक्षरक रूप

मिथिला भारती अंक 3, जनवरी-दिसम्बर, 1972 भाग 1-4

विषय-सूची
1.मैथिल ब्राह्मणक पंजी-व्यवस्था, स्व. रमानाथ झा
2.वर्णरत्नाकरमे 64 कला, बी. पी. मजुमदार
3.विद्यापतिक तिथि निर्धारण, प्रोफेसर राधाकृष्ण चौधरी
4.ज्योतिरीश्वर कृत वर्णरत्नाकरक आधार पर मिथिलाक ज्योतिषशास्त्रक परम्परा, डा. परमेश्वर झा
5.मिथिला ओ नेपालक वाणिज्य-व्यापार, श्री जय नाथ ठाकुर
6.मल्ल नरेश भूपतीन्द्र मल्लक मैथिली रचना, डा. लेखनाथ मिश्र
7.खण्डवलाकालीन मिथिलामे संस्कृत एवं मैथिलीक अध्ययन-अध्यापन परम्परा, श्री भगवान जी चौधरी
8.मिथिलामे कसीदाक परम्परा, श्री दयाशंकर उपाध्याय
9.विद्यानिधिः विद्वद्वर स्वर्गीय पण्डित खुद्दी झा, प्रोफेसर वेदनाथ झा
10.एकटा बिसरल साहित्यिक स्व. चिरंजीव झा, श्री हंसराज
11.चरित्र-चित्रण ओ मैथिली उपन्यास, डा. अमरेश पाठक
12.खुद्दीराम बोस ओ हुनक काल (1889-1908), प्रो. राजकिशोर सिंह
13.मान भंगक कलात्मक चित्र, श्री महेन्द्र झा
14.पुस्तक समीक्षा

मिथिला भारती अंक 4, जनवरी-दिसम्बर, 1977 भाग 1-4

1.जिबितहिं छथि, श्री दीनानाथ झा
2.मिथिला-महाराष्ठ्रक सम्बन्धक चारि कड़ी, डा. जटाशंकर झा
3.एक लौह पुरुष, श्री नन्द कुमार झा
4.भैयाक स्मृति, श्री पुण्येश्वर झा
5.राजेश्वरजीक उद्दाम व्यक्तित्व, श्री जटाशंकर दास
6.झा जी, श्री मोहम्मद उसमान
7.मैथिली सेनानी राजेश्वर बाबू, श्री सुधांशु शेखर चौधरी
8.राजेश्वर-स्मृति, श्री मार्कण्डेय प्रवासी
9.शत नमन हमर, श्री भीमनाथ झा
10.श्रद्धा सुमन, श्री मन्त्रेश्वर झा
11.अन्तरमे अमृत, मुदा बारह सँ रूख, श्री मैथिलीपुत्र ‘प्रदीप’
शोध-खण्ड
12.मिथिलाक प्रसिद्ध दार्शनिकः वाचस्पति मिश्र, डा. उपेन्द्र ठाकुर
13.वेस्ट इंडीजमे भारतीय संस्कृति, डा. जगदीश चन्द्र झा
14.कौशिकी: भाषाशास्त्रीय आ ऐतिहासिक अध्ययन, डा. हरिमोहन मिश्र
15.सहरसा जिला: भौगोलिक एवं आर्थिक सर्वेक्षण, डा. करुणानन्द दास
16.सहर्षा जिलाक इतिहास एवं संस्कृति, स्व. पं. बलदेव मिश्र
17.मैथिलीक साहित्यिक पत्रिका: विहगावलोकन, डा. रमाकान्त झा
18.अतिथि सत्कारक भारतीय परम्परा, श्री लक्ष्मण चौधरी ‘ललित’
19.विद्यापतिः एक दृष्टि, दीनानाथ झा
20.सहरसा जिलाक आर्थिक विकास, श्री नरेन्द्र झा
21.विद्यापति आ गया, डा. इन्द्रकान्त झा
22.जयस्थितिमल्ल कालीन नेपालक सामाजिक स्थिति, डा. राजेन्द्र राम
23.चेचर मृण्मूर्तिक सांस्कृतिक पृष्ठभूमि, डा. प्रफुल्ल कुमार सिंह ‘मौन’
24.मध्यकालीन मिथिलामे सामन्तवाद, प्रो. विजय कुमार ठाकुर
25.भारतीय संगीत-पद्धतिक परिप्रेक्ष्यमे मैथिली संगीत पद्धतिक विकास क्रम, श्री कमलनारायण झा कमलेश
26.आधुनिक श्रोत्रिय ब्राह्मणक पंजी आदिक पृष्ठभूमि, डा. योगकर झा
27.मिथिलाक एक अज्ञात विद्वान् श्री विष्णुपति, श्री वीरेश्वर प्रसाद सिंह
28.मिथिलाक वस्त्र आओर आभूषण, डा. सच्चिदानन्द सहाय
29.चेचरसँ प्राप्त एक महत्त्वपूर्ण चीनी मोहर, श्री जगदीश्वर पाण्डेय
30.सहरसा जिलामे ज्योतिषशास्त्रक परम्परा, डा. परमेश्वर झा