बरहरा गामक भैरव पूजा – मिथिलाक एक महत्वपूर्ण धरोहर

अभियान आलेख

– प्रवीण नारायण चौधरी

बरहरा गामक भैरव पूजाः मिथिलाक एक धरोहर

बरहरा गाम मधुबनी जिला मे पड़ैत अछि। झंझारपुर सँ लौकहा जेबाक रेलवे रूट जे एखन अमान-परिवर्तनक प्रक्रिया मे रहबाक कारण बाधित अछि ताहि पर पड़ैत अछि बरहरा हाल्ट। आसपासक अन्य स्टेशन सभक नाम अछि वाचस्पतिनगर (अंधड़ाठाढी), खुटौना, आदि। बलिराजगढ सेहो आसेपास अवस्थित अछि संभवतः। एहि क्षेत्र मे पुरातात्विक महत्वक अनेकों स्थान, राजा नान्यदेवक राजधानीक्षेत्र सेहो मानल जायवला स्थान, कतेको रास पूर्वकालिक मूर्ति सब उत्खनन मे प्राप्त भेल क्षेत्र थिक। झंझारपुर रेलवे स्टेशन पर एहि क्षेत्रक महत्वपूर्ण ऐतिहासिक स्थलक दूरी इंगित करबाक संग ओकर महत्व वर्णन करबाक शिलापट्ट मोन पड़ैत अछि। रुद्रपुर, ननौर, ठाढी, आदि अनेकों प्रसिद्ध आ पवित्र गाम सभ सेहो एहि क्षेत्र मे पड़ैत अछि। मधुबनी जिला सँ राजनगर, बाबूबरही, बरैल होइत रूट कनेक्सन, झंझारपुर होइत अररिया संग्राम सँ सेहो रूट कनेक्सन, झंझारपुर सँ सीधे उत्तर महरैल होइत सेहो रूट कनेक्सन सहितक एहि क्षेत्र मे एक सँ बढिकय एक दर्शनीय स्थल सब अवस्थित अछि।

एहि गाम सँ हमरा सभक युवाकवि मनीष झा बौआभाइ छथि। हुनका सँ जानकारी मंगलापर धरोहरक सम्बन्ध मे एक नागा साधू कनकनाथ संग विमर्शक कइएक किम्वदन्तिक बात ओ कहलनि। संगहि जानकारी करौलनि जे एहि पर साहित्यिक कार्य ओ कय रहला अछि, पूरा भेला उत्तर किछु सार्थक आ विस्तृत जनतब आरो देता। एखन लेल एतबे काफी भेल।
विदित हो जे दहेज मुक्त मिथिला जेकर स्थापना २०११ मे भेल छल, जाहि संस्था द्वारा समाज केँ मांगरूपी दहेज सँ मुक्त करबाक अभियान आभासी पटल (फेसबुक, व्हाट्सअप आदि) सँ धरातल पर यथासंभव जनजागरण अभियान संचालन कयल जाइत अछि, एहि अभियान मे मिथिलाक सब गाम-गाम केर धरोहर संरक्षण केर सेहो अपील कयल जाइत रहल अछि। संस्थाक स्थापना वर्ष मे सौराठ सभागाछी समान महत्वपूर्ण धरोहरक संरक्षणार्थ किछु डेग उठायल गेल छल। पुनः सभागाछीक परिसरहि मे मौजूद माधवेश्वरनाथ महादेव मन्दिरक जीर्णोद्धार लेल सेहो स्थानीय सौराठ सभा विकास समितिक संग सहकार्य मे निश्चित पहल कयल गेल छल जेकरा बिहार सरकार केर कला विभाग द्वारा जीर्णोद्धार बाद मे कयल गेल अछि। एहि क्रम केँ आइ फेर सँ फेसबुक मुख्य समूह पर चर्चा मे अनलाक बाद किछु महत्वपूर्ण धरोहरक चर्चा कयल गेल अछि।

एकटा दोसर बरहरा गाम मधुबनी जिलाक रामपट्टीक समीप अछि। एहिठामक निवासी श्रीमती नीतू अमित झा जानकारी करबैत कहलनि अछि जे एहि गाम मे भैरव पूजा आर ताहि अवसर पर मेला, अनुष्ठान आदिक आयोजन एक महत्वपूर्ण धरोहर थिक। एहि ठामक २ गोट फोटो सेहो ओ शेयर कयलीह जे पोस्ट संग संलग्न अछि। एकर आध्यात्मिक पृष्ठभूमि पर कियो विज्ञजन सँ सम्पर्क करब बाकी अछि। धरि एहि गामक एक महत्वपूर्ण धरोहर जाहि पर गाम व आसपासक लोक केँ बहुत गहींर आस्था सेहो टिकल अछि, तेकर प्रारम्भिक परिचय सँ ग्रुप आह्लादित भेल अछि। एकर ओ नाराः

मिथिलाक हर गाम छै सुन्दर

बचाउ एहि ठामक सब धरोहर

ई आइ साकार करबाक दिशा मे पुनः किछु डेग आगू बढि सकल कहि सकैत छी। आरो महत्वपूर्ण सदस्य लोकनि अपन-अपन गामक धरोहर पर फोटो सहित लेखनी केँ निरन्तरता मे दय रहला अछि। मिथिलाक सब कमौआ सपूत सब स्वयंसेवा आ स्वसंरक्षणक सिद्धान्त पर मिथिलाक अलौकिक सुन्दरता केँ आइयो धरि बरकरार राखि रहला अछि, ई कम महत्वपूर्ण बात नहि थिक। राज्य भले एहि ठामक पर्यटन केर विकास लेल कोनो व्यवस्था करय अथवा नहि, स्वयंसेवा आ स्वसंरक्षण सँ एहि धराधाम मे उत्पन्न सपूत सब स्वयं बहुत किछु कय रहला अछि तेकर प्रत्यक्ष प्रमाण थिक ई धरोहर सब। अहाँक गाम मे सेहो जे धरोहर अछि, तेकर संरक्षण आ विकास केना भऽ रहल अछि, से लिखि पठाउ।