युवा चित्रकार मनीषा शाह केर जन्मदिन पर प्रवीण शुभकामना

अत्यन्त आकर्षक व्यक्तित्वक धनी बहिन मनीषा संग पहिल भेंट वर्ष २०१८ केर दिसम्बर मासक २२ आ २३ तारीख केँ निर्धारित एकमात्र आयोजन “अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन” मे जनकपुर मे भेल छल। हिनका द्वारा बनायल गेल कलाकृति आ चित्रकला बनायल कैनवास आ फ्रेम्ड चित्र सब देखि बहुत आनन्दित भेल छल मोन। तहिये मोन मे ईहो बैसि गेल छल जे मिथिला ओहिना सनातन चौजुगी जिययवला सभ्यता नहि रहल अछि। लोक कतबो अराजक आ स्वार्थी राजनीतिक छद्म सोचक कारण मिथिला केँ विखंडित करबाक षड्यन्त्र करय, लेकिन जाहि सभ्यता केँ मनीषा समान लाखों-करोड़ों सर्जक भेटत तेकरा ओकर बेजा मनसाय कि बिगाड़ि सकत!

एहि बेर मनीषा आबय सँ पहिने फोन कयलीह जे भाइजी हम सब जनकपुर सँ चलि रहल छी से कतय पहुँचबाक अछि… तखन हम कहलियनि जे विराटनगर मे आबि जाउ आ कतहु केकरो सँ पूछबैक त कहि देत जे मैथिली कार्यक्रम कतय हेतैक आ कतय जेबाक अछि…. लेकिन आबय सँ पहिने बहिन हमर एकटा काज कय दे…. कनी जानकी जीक मन्दिर चलि जो आ एहि कार्यक्रमक सफलता लेल प्रार्थना करैत थोड़ेक निर्माल लेने अबिहें। बच्चे सँ हमर आदति रहल अछि, कतबो मोन खराब होइत अछि या कोनो तरहक डर-घबराहट… आ कि निर्माल सँ अपन माथा आ आँखि हँसोथि लेलापर सबटा समस्या खत्म भऽ जायल करय। से सोचलहुँ जे ई १७म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन हमरा सिरे जनकपुरे मे जानकी जीक निर्माल जेकाँ त आयल रहय, एकर अन्तिम निरूपण-निष्पादन सेहो हुनकहि निर्माल सँ पूरा हो, आ से मनीषाक विशेष श्रद्धा आ स्नेह सँ पूरा भेल। मनीषा केँ एहि लेल कतेक आशीर्वाद दी से मोन नहि भरैत अछि। बस… आइ तोहर जन्मदिन अछि बहिन, से हृदय सँ तोरा शुभकामना आ आशीष दुनू दैत छियौक।
एकटा गिफ्ट सेहो दैत छियौक…. तूँ एक दिन संसार मे बहुत पैघ नामी कलाकार केर रूप मे जानल जेमे आ मिथिलाक बेटीक रूप मे तोहर नाम खूब दूर-दूर धरि ख्याति हासिल करत। एकर अलावे हमर गिफ्ट तोहर एकल चित्रकला प्रदर्शनी मैथिली एसोसिएशन नेपाल केर तरफ सँ विराटनगर मे लगबा सकी से तोहरे सहयोग सऽ… बुझिते छिहीन जे मैथिली कार्यक्रम लेल टका-पैसा भाइजी सब लग बड सीमित रहैत छौक… लेकिन अपना सब कियो मिलि-जुलि बहुत किछु कय सकैत छी। आइ हमरा सभक लेल भले राज्य आ सरकार केर सहयोग बहुत उच्चकोटिक नहि अछि, लेकिन हम सब केकरो आगू सिर नहि झुकबैत छी… से केना…? से केवल आपस मे सुन्दर सहयोग आ समन्वय स्थापित कय केँ। नाउ स्माईल बहिन, हैप्पी बर्थडे अगेन!
हरिः हरः!!