Search

पड़िते सिनूर बेटी भेलें तूँ आन गै – मिथिलेश राय केर ई भावुक करयवला मैथिली विदाई गीत

387 भ्यूज

मैथिली गीत

– मिथिलेश राय

!! बेटी बिदाई गीत !!

नयना सँ नोर बहए जाय छँए कुन गाम गै
केहन विधि के विधना अपनों भेल आन गै
तोरे में बसै छौ बेटी हमर पराण गै
पड़िते सिनुर बेटी भ गेलें आन गै

१ – हमर करेजाक टुकड़ा नहीं छँए तुँ आन गै
तोरा बिनु कोना जियब हम जँ तुँ जेबए गाम गै
दुभि धान ल’क बेटी केलौं कनियादान गै
सासुर में रखिहएँ बेटी नैहर के मान गै
……..नयना सँ नोर बहए……….

२ – जन्म हम तोरा देलियौ बढि गेल मान गै
बाबुजी के तुँ छँए बेटी जिनगी ज़हान गै
बाबा के दुलरी पोती दायक जान गै

तोरा बिनु सुन्न आब लगतै दुरा दलान गै
……..नयना सँ नोर बहए…………

३ – हमर लक्ष्मी बेटी मायक प्राण गै
काका-काकी भैया-भौजी के तुँ गुमान गै
कुल के तुँ मान बढौलएँ हमरो नाम गै
सबटा तुँ पुरा केलएँ हमर अरमान गै
……..नयना सँ नोर बहए………..

४ – प्रेमक खुशबू सँ गमकौ घर अँगना
मिथिलेश के गीत सुनि भिँजल नयना
जाय छँए त जो तू रखिहएँ अपन ध्यान गैै
पिया जी आँखि में बसिहएँ बनि क तू चान गै

© ✍..मिथिलेश राय
धमौरा:-०१-०१-२०१९

Related Articles