विशेष व्यक्ति परिचयः गायक प्रभाष झा
हमर लिखल एवं गायल गीत, नैना म्यूजिक केँ आभार। – गायक प्रभाष झा
हिनकर गीत एतय सुनल जा सकैत अछिः
नैना म्युजिक व निर्माता विक्की चौधरी प्रस्तुत करैत छथि मिथिलांचलक उदीयमान गायक ” प्रभाष झा ” केर आवाजमे देवो केर देव महादेव केर बहुते मीठ आ भावपूर्ण भजन । अपने लोकनि जरूर सुनी आ जँ पसन्द आबय तऽ शेयर करबाक संग हिनकर चैनल सेहो सब्सक्राइब केनाय नहि बिसरब।
गायक हरिपुर मालटोला (पोस्ट कलुआही) मधुबनीक मूल निवासी हाल नासिक मे रहैत छथि। अपन गीत केर बारे मे मैथिली जिन्दाबाद केँ आइ फेसबुक माध्यम सँ सम्पर्क करैत उपरोक्त अनुरोध कएने छथि।