किसलय कृष्ण, सहरसा। मई ११, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद
विशिष्ट व्यक्तित्व परिचय: गायिका रंजना झा
मूलत: अररिया जिलाक देवीगंज मे जन्म भेलनि रंजनाक – पिता भागवत मिश्र वियोगी जनसम्पर्क विभाग मे नौकरी करैत रहबाक कारणे रंजनाक शिक्षा बाहरे भेलनि। बचपने सँ संगीत संग लगाव केर कारण हिनक सांगीतिक शिक्षा सेहो समानान्त रूप सँ चलल। पंचगछिया घराना केर प्रतिष्ठित गुरु योगेन्द्र भारती सँ संगीत मे शिक्षा ग्रहण करैत आगाँ बढय लगलीह। विद्यापति गीत केर गायन मे विशिष्टता रखनिहारि रंजना एखन धरि मैथिली फिल्म एक चुटकी सिन्दुर आ धारावाहिक नैन न तिरपित भेल, आदि मे पार्श्व स्वर दऽ चुकलीह अछि।
विद्यापति गीत केर हिनक एलबम ‘चानन’ अपार लोकप्रियता पेलक। उदित नारायण संग मिथिला दर्शन प्रस्तुत एलबम “कियै रहै छी दूर दूर” मे हिनक विशिष्ट गायन अछि। सहरसा जिलक लगमा मे विवाहित रंजना झा सम्प्रति पटना मे रहैत संगीत मे पीएचडी सेहो रहल छथि आ समस्त मैथिली मंच केर पर्याय बनल छथि। ओशो यानि रजनीश केर विचार सँ प्रभावित एहि गायिका द्वारा ओशो ऊपर एलबम सेहो विशिष्ट अछि, ओ समप्रति मैथिली गजल पर सेहो काज कय रहल छथि।