Search

पवित्र सावन मास मे महादेव केँ समर्पित एक भजन, बाबा बाणेश्वर नाथ महादेव केर दर्शन सहित

244 भ्यूज

सावन मास मे महादेव केँ समर्पित एक भजनः दर्शन बाबा बाणेश्वरनाथ महादेव, देवनाधाम, सहरसा

– प्रवीण नारायण चौधरी

भजन

दर्शन करू बाबा भोला के, बाबा भोला के
बाबा भोग लगौने भंग गोला के, भंग गोला के….

देखू जे भक्तन के लाइन लगल यऽ
बम-बम-बम सब बम-बम जपइ यऽ
बाबा के नगरी मे सबटा जुटइ यऽ
आशीष लय सब विनती करइ यऽ

कष्ट हरथि सब भोला जे, सब भोला जे
बाबा भोग लगौने भंग गोला के, भंग गोला के…
दर्शन करू बाबा भोला के…..

एहि भवसागर दुःखो कते यऽ
केकरो य भोगे-भोग भुखो कते यऽ
बाबा दलान पर सब एक रंग यऽ
नहि कोनो चिन्ता कोनो फिकिर यऽ

मस्त जपू बम भोला के, बम भोला के
बाबा भोग लगौने भंग गोला के, भंग गोला के…
दर्शन करू बाबा भोला के…..

एहि भजन संग दर्शन करू श्री श्री १०८ श्री बाबा बाणेश्वर महादेव, देवनाधाम (सहरसा) केर विशेष श्रृंगारक। फोटो साभारः भक्त सम्राट सुमन समाज, सीधे देवनाधाम सँ।

हरिः हरः!!

Related Articles