तलाक सँ कोना बचि सकैत छी – एक सुझाव तथा विशिष्ट व्यक्तित्व परिचय

विशिष्ट व्यक्तित्व परिचयः तलाक व अन्य गृह-क्लेश आदिक समस्या लेल सलाह ओ सुझाव दाता “श्री मणिशंकर ठाकुर शास्त्री”

अपने भेलहुँ श्री मणिशंकर शास्त्री!!
 
काशी निवासी बाबा विश्वनाथक सेवा मे सदैव हाजिर आ गृहस्थीक संग-संग मिथिलाक मुख्य विद्या तंत्र साधना मे सदाव्रती बनि ज्योतिषीय गणना आ ग्रह-शान्तिक अनेकों उपाय मे पारंगत एक परोपकारी सज्जन, दहेज मुक्त मिथिलाक अभियान केर एक ध्वजावाहक आ स्वयं अपन उदाहरण सँ दोसर केँ प्रेरणा देबा मे सक्षम – श्री मणिशंकर शास्त्री जी केँ एहि लेल अनुरोध कयल जे आइ-काल्हि मिथिलाक लोकमानस मे विवाह उपरान्त सम्बन्ध विच्छेदक समस्या बड़ा भयावह ढंग सँ परेशान कय रहल छैक, परिणामस्वरूप विभिन्न विकृतिपूर्ण घटना-परिघटना सेहो घटैत रहैत छैक, तऽ एहेन स्थिति मे कियैक नहि अहाँ उचित परामर्शदात्री उप-समिति केर संयोजन करैत एहि तरहक शिकायत वला स्थान मे अपन सलाह आ परामर्श सँ लोकक उपकार करी… से ओ मानलनि आ गछलनि जे एहि तरहक सेवा देनाय परमार्थक काज भेल आर प्रोफेसनल फीस नहियो भेटलाक बादो कोनो पीड़ित वा पीड़िता केँ सहयोग उपलब्ध करा सकैत छी।
 
हम कहय चाहब जे किछु केस मे हिनकर सहयोग सँ प्रत्यक्ष लाभ भेटबाक नीक अनुभव हमरो संग अछि। संगहि, हम अन्धविश्वास केँ निरस्त जरूर करैत होइ लेकिन परा-अपरा शक्ति मे हमरा बहुत विश्वास अछि। हम अपन गहींर आत्मानुभूति सँ स्वयं कतेको बेर एक अन्तर्द्रष्टा समान वाक्‌सिद्धि आ स्पर्श इलाज सब सेहो देखैत आबि रहल छी। विवाह चूँकि एक दैविक संयोग होएत छैक, विवाह एकटा गंभीर आ कठोर व्रत सेहो थिकैक, अतः सब पाठक सँ विनीतपूर्ण वचन कहैत अपन आस्था आ विश्वास मुताबिक आध्यात्मिक समाधान निकालबाक लेल प्रयत्न करबाक उपदेश करब। हम श्री शास्त्रीजीक समर्पित एक बैनर-पोस्टर जाहि मे हुनक सम्पर्क नंबर आदि सेहो उपलब्ध अछि से अपने सभक समक्ष राखब। कृपया जरूरत मे हुनका सँ सम्पर्क करी। हुनकर रूटीन कार्य मे बिना कोनो बाधा पहुँचेने पूर्व अनुमति सँ समय लैत अपन प्रश्न हुनका लग राखू। ओ समाधानक किछु गंभीर उपाय बतौता। एवम् प्रकारेन अहाँ अपन समस्या सँ निजात पाबि सकी, ताहि लेल हमर शुभकामना अछि। खास कय जिनकर वैवाहिक सम्बन्ध मे कोनो समस्या, आपसी कलह, क्लेश, तनाव, चिन्ता आदि केहनो समस्या हो – ओ जरूर ज्योतिषी श्री मणिशंकर शास्त्री जी संग विमर्श करी।
 
हरिः हरः!!